एसपी सुप्रीमो मुलायम सिंह यादव सेहो तुरंत ऐक्शन मे आबैत लखनऊ स्थित जनेश्वर मिश्र पार्क मे आयोजित राष्ट्रीय अधिवेशन मे पारित सभ प्रस्ताव के अवैध करार देलन्हि। संगहि, सम्मेलन के कर्ताधर्ता एसपी महासचिव रामगोपाल यादव क' फेर स, 6 बरख लेल पार्टी से निकैल देलन्हि।
अखिलेश केर अधिवेशन मे पहुंचे बलापार्टी के राष्ट्रीय उपाध्यक्ष किरणमय नंद आर महासचिव नरेश अग्रवाल क' सेहो बाहर क' देल गेलन्हि। एहीसे पहिने, मुलायम सिंह रविवार भोर मे एक चिट्ठी जारी करि अधिवेशन क' असंवैधानिक करार देलन्हि। बावजूद एहिके अधिवेशन म' मुलायम के बहुतो रास करीबी पहुँचलन्हि।
अधिवेशन मे एसपी के प्रदेश अध्यक्ष पद से हटाओल गेल शिवपाल यादव मुलायम के हस्ताक्षरित पत्र क' ट्वीट केलन्हि, जाहिमे कहल गेल छल कि राष्ट्रीय अध्यक्ष केर अनुमति के बगैर बजाओल गेल पार्टी के राष्ट्रीय अधिवेशन मे भेल फैसला अवैध अछि।
बिना लेटर हेड बला पत्र केर मुताबिक, संसदीय बोर्ड केर बैठक मे एसपी प्रमुख 28 दिसम्बर क' जारी कैंडिडेट्स केर लिस्ट फाइनल अछि आर बचल सीट पर कैंडिडेट्स चुनबाक लेल मुलायम सिंह क, अधिकृत कायल गेल अछि। लेटर मे इयो बताओल गेल अछि कि पांच जनवरी क' पार्टी केर आकस्मिक राष्ट्रीय अधिवेशन होयत।
कैल्ह भेल अधिवेशन मे अखिलेश यादव क' राष्ट्रीय अध्यक्ष चुनबाक संगे संग पार्टी केर कार्यकारिणी, संसदीय बोर्ड गठित करबाक अधिकार सेहो देल गेलन्हि। समाजवादी पार्टी के सुप्रीमो मुलायम सिंह यादव क' पार्टी केर सर्वोच्च संरक्षक बनाओल गेलन्हि आर कहल गेलन्हि कि शीर्ष नेतृत्व हुनका से मार्गदर्शन लैत रहत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।