कोसी नदी मेँ नाव पलटला सँ एक केर मृत्यु तीन लापता

सुपौल। 13 जुलाई। सुपौल जिला केर सरायगढ़ प्रखंड क्षेत्रक ढ़ोली पंचायत स्थित बलथरवा गांव मेँ कैल्ह मंगल दिन कोसी नदी म' नांव पलटला सँ  एक 35 वर्षीया महिला केर मृत्यु भ' गेल अछि। संगहि एहि घटना मेँ तीन लोग लापता बताओल जे रहल अछि। लापता लोग मेँ एक 5 वर्षीय बेदरा  शामिल अछि।

बताओल जे रहल अछि कि भपटियाही तटबंध सेँ बलथरवा गामक लेल छोटका नाव खुली छल। एहि पर 12 लोग सवार छल। नाव क' नाबालिग युवक चलबैत छल। तटबंध सँ चललाक बाद नांव कोसी केर बीच धारा मेँ पहुँच अचानक असंतुलित भ' पलटी गेल। एहि दौरान नांव पर सवार आठ लोग हेलकेँ सुरक्षित बाहर निकली गेलाह। दू महिला, बुजुर्ग सहित पांच वर्षीय बेदरा नदी केर धारा मेँ बही गेल।

हेलकेँ सुरक्षित बाहर निकलल लोग केर हल्ला केला पर स्थानीय लोग जमा भेला आर स्थानीय गोताखोर केर मदद सँ तत्काल लापता लोगक  खोजबीन शुरू भेल। एहि घटना मेँ कंतलाल सिंह, बुधनी देवी आर रूपेश कुमार एखन धरी लापता बतायल जे रहल अछि। घटना केर सूचना भेटते  भपटियाही थानाध्यक्ष सदल बल तटबंध पर पहुँचला आर घटना केर जानकारी लेलाह। लोग सभ मेँ एनडीआरएफ केर प्रति रोष बनल अछि, किएक जे घटना केर बाद टीम देरी सँ पहुँचल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ