मालामाल ऑफर, रिलायंस द' रहल अछि 93 टक्का मेँ 10 जीबी डेटा

मुंबई। 13 जुलाई। आय कैल्ह हरेक इंसाल लेल इंटरनेट केँ जरुरत एतेक बेसी बढ़ी गेल छैक कि किया एहि केँ बिना नै रही सकैत अछि। ऐना मेँ  रिलायंस कम्युनिकेशन्स अप्पन ग्राहक सभ केँ  4जी नेटवर्क पर शिफ्ट करबाक लेल बेहतरीन ऑफर द' रहल अछि। अपने केँ बता दी रिलायंस 93 टक्का मेँ 10 जीबी 4जी डेटा द' रहल अछि।

ऑफर रिलायंस केँ सीडीएमए यूजर्स सभक लेल अछि। साफ जाहिर छैक रिलायंस अप्पन ग्राहक केँ आकर्षित करबाक लेल इ ऑफर द' रहल अछि। एहि शानदार ऑफर सेँ एक नया कॉम्पिटीशन ठाढ़ भ' गेल अछि।

ई खास ऑफर मध्य प्रदेश, गुजरात, आंध्र प्रदेश, दिल्ली, महाराष्ट्र आर कोलकाता जेहेन बड़का राज्य मेँ उपलब्ध अछि। पहिने 93 टक्का मेँ 1 जीबी डेटा भेटैत छल आब10 जीबी 4जी डेटा भेट रहल अछि। जाहि केर वैलिडिटी 30 दिन अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ