लखीसराय में पेट्रोलपंप पर लूटपाट

लखीसराय। 13 जुलाई। घर त घर आब लोक बाहरो सुरक्षित नै छैथ आई लखीसराय में एक पेट्रोल पम्प पर अपराधी 3 लाख के लूट पाट केलैन्ह आ एक स्टाफ के गोली से भुनी देलखिन्ह इ घटना हलसी थानांतर्गत कैन्दीदी प्रेम डीहा के अइछ जतय पेट्रोल पम्प पर आयल 7 अपराधी धावा बोली लूटपाट शुरू केलैन्ह आ एकर बिरोध पंकज कुमार जे ओहि पम्प पर कार्यरत छलाह ओ बिरोध केलखिन्ह त हुनका अपराधी गोली मैर देलकैन्ह जाहि स ओ बुरी तरह घायल भ गेलाह लूटपाट के घटना के भनक लागैत देरी नजदीक के लोक पेट्रोल पम्प पर अयलाह आ पंकज के मूर्छित अवस्था में देखि हुनका सदर अस्पताल ल के गेलखिन्ह लेकिन हुनक नाजुक स्थिति देखैत चिकित्सक बेहतर इलाज के खातिर पि ऍमसीएच भेज देलखिन्ह लेकिन हुनक स्थिति चिंताजनक बनल छैन्ह,पुलिस के सुचना भेटैत देरी घटनास्थल पर पहुँचला आ एक युवक के हथियार के साथ गिरफ्तार केलैन्ह आ छान बिन क रहलाह अइछ।।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ