मधुबनी : नवकरही केँ ग्रामीण सभ नाला निर्माण मे भेल अनियमितता लेल पी.एच.ई.डी मंत्री विनोद नारायण झा केँ भेजलक पाती - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 2 फ़रवरी 2018

मधुबनी : नवकरही केँ ग्रामीण सभ नाला निर्माण मे भेल अनियमितता लेल पी.एच.ई.डी मंत्री विनोद नारायण झा केँ भेजलक पाती

मधुबनी। 02 फरवरी। राजकीय नलकूपक निर्माण मे भेल अनियमितता आओर लूटक संबंध मे गाम - नवकरही, अनुमंडल - बेनीपट्टी केँ स्थानीय लोग सभ पी.एच.ई.डी मंत्री विनोद नारायण झा केँ पाती लिखलनि।


बिहार सरकार केँ मंत्री केँ भेजल गेल पाती मे ग्रामीण सभक आरोप अछि कि गाम मे राजकीय नलकूपक नाला जाहिक द्वारा सिचाई कायल जायत अछि ओ बरख 2015-16 मे बनाओल गेल जेकि आधा - अधूरा आओर बहुत कमजोर अछि। परिणाम स्वरुप उक्त नाला केर माध्यम सँ सिचाई लेल पैनक बहाव नहि भ' पाबैत अछि। 


उक्त नाला निर्माण मे तीन नंबर केँ ईंटा आओर लोकल बाबुलक संगे संग घटिया सीमेंट सँ निर्माण होयबाक कारण नाला जता - तता टूटी रहल अछि आओर किसान सभक खेत मे सिचाई लेल पैन नहि पहुँच रहल अछि।