मधुबनी : वित्तरहित शिक्षक सभ नीतीश कुमार क' देखेलनि करिया झंडा, केलनि नाराबाजी - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 15 दिसंबर 2017

मधुबनी : वित्तरहित शिक्षक सभ नीतीश कुमार क' देखेलनि करिया झंडा, केलनि नाराबाजी

मधुबनी। 15 दिसम्बर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क' विकास समीक्षा यात्रा केर दौरान मधुबनी मे विरोधक सामना करे पड़लनि। वित्तरहित शिक्षक व मुखिया महासंघ केँ लोग सभ हुनका करिया झंडा देखेलनि। संगहि हुनका खिलाफ मुर्दाबाद के नारा सेहो लगौलनि।

ओनाकि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ऐहिकेँ नजरअंदाज करैत आगू चल देला। दरअसल, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विकास काजक समीक्षा लेल धगजरी गाम पहुंचल छला। विरोध करनिहार लोग सभकेँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संबोधित सेहो नहि केलनि। ओतहि, प्रदर्शनकारी सभक संख्या देख पुलिस सभक घाम छुटैत देखार देलक। प्रदर्शनकारी सभकेँ शांत करबाक लेल पुलिस क' बहुत मशक्कत करे पड़ल।

गौरतलब अछि कि नीतीश कुमार पछिला कैको दिन सँ विकास समीक्षा यात्रा पर निकलल छथि। एहि दौरान हुनका कैको जगह पर विरोधक सामना करे पड़लनि। विरोध करनिहार बेसी लोग संविदा कर्मचारी सभ अछि। ओनाकि कैको जगह पर नीतीश कुमार एहेन लोग सभकेँ फटकार सेहो लगौलनि।