"बिहार विकास परिषद" द्वारा सूरत म' होयत भव्य छठ पूजा केर आयोजन - मिथिला दैनिक

Breaking

सोमवार, 23 अक्तूबर 2017

"बिहार विकास परिषद" द्वारा सूरत म' होयत भव्य छठ पूजा केर आयोजन

सूरत। 23 अक्टूबर। [प्रणव कुमार चौधरी] बिहार विकास परिषद केर तत्वावधान म' हर बरखक भांति एहियो बरख भव्य छठ पूजा केर आयोजन माँ ताप्ती नदी केर तट पर इस्कॉन मंदीर के पाछू जहागीरपूरा, सुरत म' होमे जे रहल अछि। 

ऐहिक जानकारी दैत संस्था केर संयोजक सुनील मिश्रा आओर उपसंयोजक देवेन्द्र सिंह कहलनि की हर बरखक भांति एहि बरख  ई आयोजन 26 - 27 अक्टूबर धरी आयोजित होयत। ऐहिक संगे ओ कहलनि कि बिहार विकास परिषद सूरत म' रहनिहार समस्त मैथिल लोकनिक सहभागिताक विनम्र अपेक्षा राखैत उपस्थिति हेतु सादर आमंत्रित करैत अछि।

बिहार विकास परिषद सूरत द्वारा आयोजित लोक-आस्था केर महापर्व छठ महोत्सव लेल इस्कॉन मंदिर जहांगीरपुरा म' साफ सफाई केर कार्यक्रम जोर शोर सँ सूरत महानगर पालिका केर सहयोग सँ कायल जे रहल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताविक परिषद द्वारा व्रती सभक लेल रहबाक व्यवस्था, भोजन, अर्घ्यक लेल दूध, ठेकुआ केर प्रसाद, बिजली, पैन आदि सभक भरपूर व्यवस्था कायल जे रहल अछि।