दरभंगा शहर पर आब चौबीसो घंटा रहत सीसीटीवी के नजैर

दरभंगा। 28 सितम्बर। जिला प्रशासन आओर नगर निगम केर संयुक्त प्रयासक परिणामस्वरूप दरभंगा शहर के तमाम प्रमुख जगह पर सीसीटीवी लगेबाक आओर ओहिक मॉनिटरिंग करबाक व्यवस्था क' एक समारोह केर आयोजन करि कैल्हि बुधदिन विधिवत अमलीजामा पहनाओल गेल। 

मुख्य उद्घाटन समारोह वरीय पुलिस अधीक्षक कार्यालय परिसर म' आयोजित कायल गेल। जता 32 सीसीटीवी कैमरा केर व्यवस्थाक संग ऐहिक विधिवत उद्घाटन कायल गेल। एहि मौका पर वरीय पुलिस अधीक्षक सत्यवीर सिंह, जिलाधिकारी डा. चंद्रशेखर सिंह, मेयर वैजंती देवी खेड़िया सहित कैको गणमान्य उपस्थित छला। एहि सभ सीसीटीवी कैमरा  कैमरों के रख-रखाब सँ संबंधित खर्च के इंतजाम जिला प्रशासन द्वारा वहन वहन कायल जायत।

ओतहि दोसर तरफ शहर के उर्दू एवं भीगो आदि मोहल्ला म' नगर निगम द्वारा 16 सीसीटीवी कैमरा लगाओल गेल, जाहिक उद्घाटन नगर निगम केर मेयर वैजंती देवी खेड़िया द्वारा बाद म' अलग सँ कायल गेल। एहि सभ सीसीटीवी कैमरा के रख - रखाब के खर्च नगर निगम के जिम्मा निर्धारित कायल गेल अछि। जाहिक निगरानी केर जवाबदेही सम्बंधित थाना द्वारा कायल जायत। एहि बाबत जानकारी दैत मेयर बैजंती देवी खेड़िया कहलनि कि तत्काल शहर म' कुल 60 सीसीटीवी कैमरा लगाओल जायत।

शहर के शांति-व्यवस्था आओर आम लोग सभक सुरक्षा केर दृष्टिकोण स' तत्काल विवादित स्थल सभके चिन्हित करि सीसीटीवी कैमरा लगेबाक संगे - संग पूरे शहर क' सीसीटीवी सँ लैस कायल जायत। जाहिक संचालन हेतु नगर निगम प्रशासन व जिला प्रशासन के बीच समन्वय स्थापित करि  ऐहिक निमयित रूप सँ मानिटरिंग कायल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने