रीजनल कनेक्टिविटी स्कीम ‘उड़ान’ के तहत बिहारक 26 हवाईअड्डा सँ शुरू होएत उड़ान सेवा - मिथिला दैनिक

Breaking

बुधवार, 9 अगस्त 2017

रीजनल कनेक्टिविटी स्कीम ‘उड़ान’ के तहत बिहारक 26 हवाईअड्डा सँ शुरू होएत उड़ान सेवा

पटना। 09 अगस्त। बिहार के 26 हवाईअड्डा क' रीजनल कनेक्टिविटी स्कीम ‘उड़ान’ सँ फायदा भेट सकैत अछि। प्राप्त सूचना केर मुताबिक केंद्र सरकार बिहार के 26 हवाईअअड्डा सँ उड़ान योजना केर तहत हवाई सेवा शुरू करबाक लेल एयरलाइंस कंपनी सभके प्रस्ताव देना अछि। कैल्हि मंगलदिन राज्यसभा म' एक प्रश्न के उत्तर म' नागरिक उड्डयन राज्य मंत्री जयंत सिन्हा ऐहिक जानकारी देलनि। 

जयंत सिन्हा कहलनि कि रीजनल कनेक्टिविटी स्कीम केर तहत बिहार के 26 हवाईअड्डा क' सेवा रहित आओर कम सेवा बला हवाईअड्डा केर  सूची म' शामिल काएल गेल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र्र मोदी केर पहल पर उड़ान योजना किछु दिन पहिने शुरू काएल गेल अछि। उड़ान के मतलब अछि ‘उड़े देश के आम आदमी’ एहि योजना केर तहत एक घंटाक हवाई सफर के अधिकतम किराया 2500 टाका तक तय काएल गेल अछि।
 
उड़ान योजना केर तहत सेवा रहित आओर कम सेवा बला हवाईअड्डा पर विमान सेवा शुरू करबा क' प्राथमिकता देल जाएत। ऐहिक लेल सरकार निविदा केर माध्यम सँ प्रस्ताव मांगती अछि।

उड़ान केर तहत दिल्ली - शिमला के बीच सेवा शुरू भ' चुकल अछि। आगा जाहि 92 हवाईअड्डा पर सेवा शुरू करबाक प्रस्ताव अछि, ओहिमे 50 हवाईअड्डा एहेन अछि जाहिपर एखन धरी विमान सेवा शुरू नहि भेल अछि। जखन की 12 हवाईअड्डा एहेन अछि जाहिपर कम विमान सेवा अछि। उड़ान योजना केर तहत केंद्र सरकार एयरलाइंस क' क्षतिपूर्ति के  भरपाई करत। 

बिहार म' एहि 26 हवाईअड्डा पर विमान सेवा शुरू करबाक प्रस्ताव अछि; आरा, बेतिया, बेगूसराय, बिहारशरीफ, बिहटा, बक्सर, छपरा, दरभंगा, सहरसा, रक्सौल, पूर्णिया, मधुबनी, कुरसेला, मुजफ्फरपुर, कटिहार, किशनगंज, जोगबनी, भागलपुर, भभुुआ, जहानाबाद, मोतिहारी, सैफियाबाद (मुंगेर), वीरपुर (सुपौल), पंचनपुर (गया), डेहरी, हथुआ (गोपालगंज)

बिहार के विभिन्न शहर क' विमान सेवा सँ जोड़बाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के संग केंद्रीय नागर विमानन मंत्री अशोक गजपति राजू  पटना म' 14 जुलाई दिन बैठक केना रहथिन। बैठक म' क्षेत्रीय संपर्कता उड़ान पर केंद्र आओर बिहार सरकार के बीच करार भेल छल।