उत्तराखंड घूमे जाएब तेँ ध्यान राखु18 अप्रैल से 23 मई धरी देहरादून नहि जाएत कुनु ट्रेन - मिथिला दैनिक

Breaking

शनिवार, 15 अप्रैल 2017

उत्तराखंड घूमे जाएब तेँ ध्यान राखु18 अप्रैल से 23 मई धरी देहरादून नहि जाएत कुनु ट्रेन

देहरादून। 15 अप्रैल। उत्तराखंड घूंमबाक लेल जाए बला पर्यटक सभक लेल निक खबैर नहि अच्छी। रेलवे स्टेशन पर निर्माण काजक चलते 18 अप्रैल से 23 मई धरी कुनु ट्रेन देहरादून नहि जाएत। 36 दिन धरी देश के दोसर होसा सँ आबै बला ट्रेन हरिद्वार तक जाएत। ऐहिक बाद रेल यात्री दोसर साधन से राजधानी देहरादून तक पहुंच सकता। 

चारधाम यात्रा आओर तमाम स्कूल सभमे गर्मी के छुट्टी होयबा पर लोग  पहाड़क रुख करैत छथि। पर्यटक देहरादून तक ट्रेन से सफर करैत छथि  आओर दोसर वाहन से ओ दोसर इलाका जैत छथि। एहि लोग सभके कने परेशानी हेतैन्ह।