मिथिला रत्न व प्रसिद्ध आयकर अधिकारी बनगाँव के लाल श्री धीरज चंद्र झा नहि रहला

सहरसा। 30 जनवरी। प्रसिद्ध आयकर अधिकारी श्री धीरज चंद्र झा केर कैल्ह मुम्बई मे आकस्मिक निधन भ' गेलैन्ह। जिला सहरसा के बनगाँव निवासी श्री झा 47 बरखक छलाह। हुनक निधन केर खबैर से मिथिलांचल समेत मुम्बई रहनिहार समस्त मैथिलजन मे शोक व्याप्त अछि। 

श्री धीरज चंद्र झा मैथिल मिथिलाक प्रति समर्पित एहेन समाजसेवी छलाह  कि मुम्बई के एहेन कुनु संगठन नहि जाहिमे हुनक योगदान नहि होएन। जन-जनकें चित्तमे रमन केनिहार मिथिला-मैथिलीक प्रतिबद्ध सेनानी श्री झा अपन समाजके बिलखैत एहि असार संसारके निर्मोही बनाय, हमेशाक लेल सभ किछु छोड़ि प्रस्थान क' चल देला।

भव्य काया-कान्ति, चमकैत ललाट व आत्मियता सँ आप्लावित मधुरमय छविके किन्नहुँ नहि बिसरल जा सकैत अछि । मैथिलसेवी संगठन अपन एहि "लालक" असामयिक निधन सँ मर्माहत अछि ।

हमरालोकनि माँ भगवती सँ हुनक आत्माके चिर-शांति हेतु निवेदन करैत छी एवं हुनक परिवारके दुखक एहि घड़ीमे धैर्य धारण करबाक शक्ति प्रदान करैथ, प्रार्थना करैत छी ।

मिथिला दैनिक टीम हुनक आसमायिक निधन पर भावविनी श्रद्धांजलि अर्पित करैत अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने