छात्रवृत्तिक उपयोग वेतन देबामे क' रहल अछि नीतीश सरकार : सुशील मोदी

पटना। 30 जनवरी। बीजेपी के वरिष्ठ नेता सुशील कुमार मोदी आरोप लगेलैन्ह कि छात्रवृत्ति के 900 करोड़ टाकाक उपयोग नीतीश सरकार शिक्षक सभके वेतन देबामे क' रहल अछि।  सुशील मोदी एक प्रेस विज्ञप्ति जारी करि आरोप लगौलन्हि कि दलित व अति पिछड़ल सबके एक लाख टाका तक देल जाय बला पोस्ट मैट्रिक छात्रवृत्ति क' पहिने से बंद क' चुकल   राज्य सरकार आब प्री मैट्रिक छात्रवृत्ति केर तौर पर दलित, आदिवासी एवं अति पिछड़ल समुदाय के छात्र-छात्रा सभके कक्षा 01 से 10 तक देल जाय बला छात्रवृत्ति सेहो बंद क' देलन्हि अछि।

सुशील मोदी दावा केलैन्ह कि कक्षा 1 से 4 तक के दलित, आदिवासी एवं अति पिछड़ल समुदाय के छात्र-छात्रा सभके सलाना 800 टाका आ कक्षा 5 आर 6 क' 1200 टाका, कक्षा 7 से 10 तक के छात्र-छात्रा सभके 1800 टाका देल जायत छल। जाहिके एहि बरख से बंद क' देल गेल अछि। बिहार विधान परिषद मे प्रतिपक्ष के नेता सुशील मोदी आरोप लगौलन्हि कि एक दिस मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बेर - बेर दावा करैत छैथ कि शराबबंदी के बाद राज्य के राजस्व क' कुनु नुकसान नहि भेल अछि। ओतहि दोसर दिस एक करोड़ से बेसी दलित, आदिवासि व अति पिछड़ल वर्ग के छात्र - छात्रा सभक प्री मैट्रिक छात्रवृत्ति क' बंद क' देलन्हि अछि। 

सुशील मोदी आरोप लगौलन्हि कि पिछ्ला बरख विधानसभा चुनाव के दरमियान राज्य सरकार करीब तीन हजार करोड़ टाका छात्रवृत्ति वितरण पर खर्च केना छल, जखनकि एहि बरख बजट प्रावधान होयबाक बावजूद राशि समर्पित क' देल गेल अछि। सुशील मोदी दलित सभके एक लाख टाका तक देल जाय बला पोस्ट मैट्रिक छात्रवृत्ति क' पहिने बंद करबाक  आरोप लगबैत बिहार सरकार से पुछलन्हि  कि सरकार आब प्री मैट्रिक छात्रवृति क' सेहो बंद करि लाखों दलित, आदिवासी व अति पिछड़ल छात्र-छात्रा सभक भविष्य से खेलवाड़ करे जे रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने