जखन भाजपा के रैली रद्द नहि भेल तेँ मानव श्रृंखला किएक रद्द करि : नीतीश कुमार - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 17 जनवरी 2017

जखन भाजपा के रैली रद्द नहि भेल तेँ मानव श्रृंखला किएक रद्द करि : नीतीश कुमार

पटना। 17 जनवरी। शराबबंदी क' सफल बनेबाक हेतु विश्व केर सबसे पैघ मानव श्रृंखला केर निर्धारित तिथि 21 जनवरी पर उठी रहल संशय क' खत्म करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार साफ केलन्हि कि शराबबंदी के समर्थन मे मानव श्रृंखला 21 जनवरी दिन होयत। 

दरअसल, मकरसंक्रांति पर सबलपुर दियारा मे भेल नाव हादसा के बाद भाजपा द्वारा मानव श्रृंखला ल'के तय तिथि 21 जनवरी क' कैंसिल करबाक मांग कायल गेल छल। एहिपर सीएम नीतीश कुमार भाजपा क' घेरैत कहलनि कि कुछ लोग सभक पेच फंसेबाक आदत होयत अछि। कखनो किछ ते कखनो किछ बाजैत अछि। 

अपने के बता दी कि दुनियां मे पहिल बेर बिहार मे 2 करोड़ लोग एक संग  हाथ से हाथ जोड़ी शराबबंदी के समर्थन मे 11292 km नमहर मानव श्रृंखला बना ठाढ़ होयत। ई कार्यक्रम दोपहर 12.15 बजे से एक बजे तक चलत। 

3007 किमी के मुख्य मार्ग पर बनै बला मानव शृंखला केर डिजिटल फोटोग्राफी स्पेस मंत्रालय केर इसरो करत। ऐहिक लेल इसरो के 2 आर  विदेश के 3 उपग्रह केर मदद लेल जायत। ऐहिक लेल आय इसरो द्वारा गांधी मैदान मे ऐहिक पूर्वाभ्यास सेहो कायल जायत। ओतहि 21 जनवरी क' राज्य सरकार के 4 छोट प्लेन से सेहो फोटोग्राफी अर वीडियोग्राफी कायल जायत।