कोसी के संजीव भेला देशक लेल शहीद, पत्नी देलन्हि मुखाग्नि - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 17 जनवरी 2017

कोसी के संजीव भेला देशक लेल शहीद, पत्नी देलन्हि मुखाग्नि

सहरसा। 17 जनवरी। एक बेर फेर सहरसा जिला देश पर अप्पन कुर्बानी केर इतिहास दोहरेना अछि। जिला के महिषी प्रखंड के कोसी तटबंधक बगल मे हरियाली के बीच बसल तिलाठी गामक रहिवासी, सेना मे तैनात फौजी संजीव कुमार यादव जम्मू- कश्मीर के श्रीनगर के आरएस सेक्टर रजौरी  70 मे पाकिस्तान सीमा पर तैनात छला। जे पाकिस्तानि सभ द्वाका 12 जनवरी गुरुवार दिन सीजफायर उलंघन केर दौरान गोली लगला से शहीद भ' गेला।

हुनकर शहीद होयबाक खबैर पूरा इलाका मे जंगल केर आगि जोका पसैर गेल। लोग संजीव के अंतिम दर्शन केर इंतजार क' रहल छल। कैल्ह सोमवार दिन संजीव के शव अएबाक जानकारी गाम वासी के पहिने से भेट चुकल छल। लोग राजनपुर से ल'के तिलाठी चौक तक ठाढ़ छला। शव जहिना पहुंचल लोगक भीड़ से बस एतबे आबाज़ आबैत छल बीर सपूत के सलाम, बेटा हुवे तें संजीव एहेन..।
ताबूत मे राखल शव क' अंतिम दर्शन लेल जहिना निकालल गेल परिजन सभक चीत्कार से पूरा माहौल गमगीन भ' गेल। पत्नी आशा देवी, पिता विलास यादव, भाई सुनील, बहन राजवती, सपना, देवता, किरण, ससुर रामसागर यादव, सास, नानी, मामा आदि के क्रंदन से सभक आँखि छलछला गेल। पत्नी व बहन बेर - बेर  बेहोश भ' जायत छली। अंतिम संस्कार के लिए शव उठबैते पूरा गाम पाछा चल पड़ल। संजीव अमर रहे, भारत माता की जय से इलाका गूंजे लागल। तिलाठी चौक पर संजीव केर  अंतिम संस्कार कायल गेलन्हि। जता हुनकर पत्नी आशा देवी हुनका मुखाग्नि देलन्हि।

राजकीय सम्मान के साथ शहीद संजीव क' विदाई देल गेलन्हि। शव के साथ पहुंचल जवान व सेना के अधिकारि सब शव पर पुष्प अर्पित करि  सलामी देलन्हि। मातमी धुन बजाके पूरारीति-रिवाज के साथ शस्त्र से गोली चलाके सलामी सलामी देल गेल। जाहिक बाद शस्त्र क' झुका देल गेल। ओतहि डीएम विनोद सिंह गुंजियाल, एसपी अश्विनी कुमार, एसडीओ सुमन प्रसाद साह, एसडीपीओ अजय नारायण यादव, कनरिया ओपीध्यक्ष निरंजन सिंह आदि हुनका पुष्प अर्पित करि हुनका नमन केलन्हि।