छह नक्सली गिरफ्तार, हथियार - अग्नेयास्त्र बरामद - मिथिला दैनिक

Breaking

मंगलवार, 17 जनवरी 2017

छह नक्सली गिरफ्तार, हथियार - अग्नेयास्त्र बरामद

मुजफ्फरपुर। 17 जनवरी। मुजफ्फरपुर जिला के पास थाना अंतर्गत कर्मपुर भतौलिया गाम मे पुलिस छापामारी करि छह नक्सलि क' हथियार आर अग्नेयास्त्र के संग कैल्ह सोमवार दिन गिरफ्तार केलन्हि।

वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक विवेक कुमार कहला कि गुप्त सूचना केर आधार पर गिरफ्तार नक्सलि सभक नाम दशरथ राम, संतोष सहनी, बैद्यनाथ पासवान, मुकेश पासवान, राजेश पासवान आर संजय कुमार सहनी अछि। नक्सलि सभक लग से पुलिस दुइ  देशी पिस्तौल, छह डेटोनेटर, 21 कारतूस, लोग सभसे लेवी वसूलबाक लेल धमकी भरल हस्तलिखित पर्चा आर  दुइ मोटरसाइकिल जब्त केलन्हि अछि। 

पुलिस अधीक्षक कहला कि ऐसी छह नक्सलि सभ से दशरथ राम, संतोष सहनी आर बैद्यनाथ पासवान क' पहिनो पड़ोसी पूर्वी चंपारण आर शिवहर जिला मे नक्सली गतिविधि मे संलिप्त रहबाक लेल गिरफ्तार कायल गेल छल। गिरफ्तार नक्सलि सभक आरो साथि केर पता लगेबाक लेल पूछताछ जारी अछि।