मिथिलाक एकलौता गाम जे गाम तीन पद्म श्री सम्मान कएलनि अप्पन नाम

मधुबनी। 30 जनवरी। मिथिला पेंटिंग लेल विश्व विख्यात मधुबनी जिला एक बेर फेर गौरवान्वित भेल। 68वां गणतंत्र दिवस के अवसर पर मधुबनी जिला के जितावरपुरक रहिवासी बौआ देवी क' एहि बेर भारत सरकार दिस से पद्मश्री सम्मान सँ सम्मानित कायल गेलैन्ह।

एहीसे पहिनो बौआ देवी क' राष्ट्रपति पुरस्कार सहित कैको राष्ट्रिय पुरस्कार भेट चुकल छैन्ह। हिनका से पहिने मधुबनी जिलाक जगदम्बा देवी, सीता देवी, गंगा देवी, महासुंदरी देवी क' ई सम्मान भेट चुकल छैन्ह। बौआ देवी मिथिला पेंटिंग के क्षेत्र मे पद्मश्री पाबै बाली पांचम कालाकार छथि। 

जितवारपुर गामक एखन धरी तीन महिला क' पद्मश्री सम्मान से समानित कायल गेल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने