पेट्रोल पंप पर स्वाइप करि डेबिट/क्रेडिट कार्ड, निकाली 2,000 टक्का प्रतिदिन - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 18 नवंबर 2016

पेट्रोल पंप पर स्वाइप करि डेबिट/क्रेडिट कार्ड, निकाली 2,000 टक्का प्रतिदिन

नई दिल्ली। 18 नवम्बर। नकदीक कमी केर दिक्कत क' कम करबाक लेल सरकार कैल्ह गुरुवार क' चुनिंदा किछ पेट्रोल पंप पर डेबिट या क्रेडिट कार्ड स्वाइप के जरिया रोजाना 2,000 टक्का तक केर नकदी निकालबाक मंजूरी द' देलन्हि। इ सुविधा देश केँ 2,500 पेट्रोल पंप पर उपलब्ध होयत।

एक अधिकारी कहला कि ''किछ पेट्रोल पंप जतेँ पीओएस (प्वाइंट ऑफ सेल) मशीन पहिने सँ उपलब्ध अछि, ओतेँ एहि मशीन म' डेबिट/क्रेडिट कार्ड स्वाइप करि एक व्यक्ति एक दिन म' 2,000 टक्का तक केर नगद राशि निकैल सकैत छैथ।'' पीओएस मशीन एक एहेन मशीन होयत अछि  जाहिक उपयोग आम तौर पर डेबिट या क्रेडिट कार्ड सँ धन केर हस्तांतरण लेल कायल जायत अछि।

सूत्र केर मुताबिक ई व्यवस्था आय से शुरू भ' जायत। इ निर्णय पब्लिक सेक्टर केँ तेल कंपनिय सभक अधिकारिय आर एसबीआई चेयरमैन अरुंधती भट्टाचार्य केर बैठकक बाद लेल गेल। बैठक म' इंडियन ऑयल कॉरपोरेशन लिमिटेड, भारत पेट्रोलियम कॉरपोरेशन लिमिटेड आर  हिंदुस्तान पेट्रोलियम कॉरपोरेशन लिमिटेड केर अधिकारी मौजूद छलाह।

सूत्र के मुताबिक सभ तेल कंपनि, एसबीआई आर आन बैंक सभ सँ  बातचीत क' रहल अछि आर एहि नव व्यवस्था क' अस्थिर - अस्थिर 20,000 पेट्रोल पंप तक पहुँचेबाक प्रयास कायल जे रहल अछि। फिलहाल एहि सुविधा के तहत पेट्रोल पंप के पास एसबीआई के पॉइंट ऑफ सेल मशीन होयबाक चाही। एहि मशीन केर उपयोग डेबिट आर  क्रेडिट कार्ड ट्रांजैक्‍शन म' होयत अछि।