शर्मनाक - कांवड़िया पर जदयू नेता शरद यादव केँ अपमानजनक टिप्पणी

पटना। 6 अगस्त। जनता दल यूनाइटेड केर नेता आर राज्यसभा सांसद शरद यादव कांवड़ यात्रा आर कांवड़िया सभक लेल विवादित बयान देलन्हि। शरद यादव कहला कि जे बेरोजगार होयत छैथ ओ कांवड़ यात्रा करैत छैथ। कांवड़िया बेरोजगारीक सर्वश्रेष्ठ उदाहरण अछि। शरद यादव कहला कि देश मेँ कतेक बेरोजगारी अछि एहि केँ अंदाजा कांवड़िया सभक झुण्ड देखि लगाओल जे सकैत अछि।

जखन नेता धर्म सँ जुडी राजनीति म' आस्था केँ संग कुनु भक्तक भावना क' ठेस पहुँचाबैत छैथ तेँ ओ एहि प्रकारे भक्त सभ केँ अपशब्द कहैत छैथ। सावनक मास छी, भगवान भोलेनाथ केँ भक्त देशभरि केँ ज्योतिर्लिंग केर  दर्शन करबाक लेल कांवड़ यात्रा क' रहल छैथ। कांवड़िया सभक श्रद्धा क' जनता दल यूनाइटेड केँ नेता शरद यादव द्वारा ठेस पहुँचाओल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने