नितीश कुमार केँ ऐलान, राहत शिविर म' बेटीक जन्म भेला पर भेंटत 15 हजार टक्का - मिथिला दैनिक

Breaking

शुक्रवार, 26 अगस्त 2016

नितीश कुमार केँ ऐलान, राहत शिविर म' बेटीक जन्म भेला पर भेंटत 15 हजार टक्का

पटना। 26 अगस्त। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आय शुक्रवार दिन बाढ़ि राहत कैंप केँ दौरा केलनि।दौरा केँ दौरान नीतीश कुमार बाढ़ि पीड़ित सभ सँ हाल-चाल आर समस्या सभक जानकारी लेलनि। एहि दौरान बाढ़ि पीड़ित द्वारा महिला सभ सँ जुङल समस्या मुख्यमंत्री लग राखल गेल।

राहत शिविर म' प्रसव के दौरान सहायता ल' के लोग सभ अप्पन  समस्या बतेलन्हि। मुख्यमंत्री द्वारा तत्काल राहत शिविर म' बेटीक जन्म भेला पर एक मुश्त राशि देबाक ऐलान कायल गेल।