गीत
टिकली करय चमचम मुँह छै महिसक चाम सन
देखि कऽ पड़ेलौं कनियाँ लागय कारी झाम सन
कारी-कारी मुँह
बड़-बड़ आँखि टुकुर-टुकुर
अन्हरियाक कीड़ी जकाँ
बड़य भुकुर-भुकुर
ठोरो लागय जरल-जरल
चिनिया बदाम सन...॥
नीपल-पोतल नाक
तैपर खुट्टा सन-सन बुट्टा
हब्बर-हब्बर बाजब
मुँहमे पानक गुलुट्ठा
पेटोक कटनि लागय
टिनही डराम सन...॥
मधमोंगर सन देह लगैए
डम्फा सन-सन डाँर
नाकोसँ चुबैए जेना
पसबय केओ माँड़
हाथो पएर लगै छनि जेना
टिटहीक टांग सन...॥
चन्द्रशेखर कामति, पिता श्री योगेन्द्र कामति, ग्राम+पो.-करियन, जिला- समस्तीपुर, जन्म-तिथि-०३-०१-१९५९, शिक्षा- एम.ए.
टिकली करय चमचम मुँह छै महिसक चाम सन
देखि कऽ पड़ेलौं कनियाँ लागय कारी झाम सन
कारी-कारी मुँह
बड़-बड़ आँखि टुकुर-टुकुर
अन्हरियाक कीड़ी जकाँ
बड़य भुकुर-भुकुर
ठोरो लागय जरल-जरल
चिनिया बदाम सन...॥
नीपल-पोतल नाक
तैपर खुट्टा सन-सन बुट्टा
हब्बर-हब्बर बाजब
मुँहमे पानक गुलुट्ठा
पेटोक कटनि लागय
टिनही डराम सन...॥
मधमोंगर सन देह लगैए
डम्फा सन-सन डाँर
नाकोसँ चुबैए जेना
पसबय केओ माँड़
हाथो पएर लगै छनि जेना
टिटहीक टांग सन...॥
चन्द्रशेखर कामति, पिता श्री योगेन्द्र कामति, ग्राम+पो.-करियन, जिला- समस्तीपुर, जन्म-तिथि-०३-०१-१९५९, शिक्षा- एम.ए.
jhuma delahu chandrashekhar ji
जवाब देंहटाएंएक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।