मिथिला दर्शन पत्रकारिता पुरस्कार

मैथिली पत्रकारिताक विकास कें ध्यान मे राखि तथा युवा पत्रकार कें प्रोत्साहित करबाक उद्दश्यें वर्ष २०१० सं ५०००/- टाका राशिक मिथिला दर्शन पत्रकारिता पुरस्कार आरभ कयल गेल अछि.

समकालीन समस्या सम्पर्कित साहित्येतर आलेख जे मिथिला दर्शन मे प्रकाशित होयत तकरे आधार पर ई पुरस्कार देल जायत. साल भरिक विभिन्न अंक मे प्रकाशित आलेख मे जे सर्वोत्तम होयत तेकर लेखक कें पुरस्कृत कायल जायत. एहि सन्दर्भ मे सम्पादक मंडलक निर्णय अंतिम होयत.

प्रथम मिथिला दर्शन पत्रकारिता पुरस्कार स्वस्ति foundation प्रदत प्रबोध साहित्य सम्मानक संगहि फरवरी २०११ मे प्रदान कयल जायत.

समसामयिक विषयक रचनाकार लोकनि सं आग्रह अछि जे ओ अपन २००० शब्द तक सीमित आलेख मिथिला दर्शनक कार्यकारी सम्पादक, श्री रामलोचन ठाकुर, क पता: 2 - M , चिराग अपार्टमेन्ट, 4 इतालिगाछा रोड, कोलकाता - ७०००२८ पर पठाबथि.

एहि विषय पर सार्वजानिक सूचना मिथिला दर्शनक नवीन अंक (वर्ष ५७; अंक ५; जनवरी - फरवरी २०१०; मकर संक्रांति संवत २०६६) क पृष्ठ ३४ पर देल गेल अछि.

प्रणव कुमार सिंह
मुख्य प्रबंधक
--
Mithila Darshan
-Maithili k pratham sampoorna paarivaarik patrika-
A - 132, Lake Gardens,
Kolkata - 700 045

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने