आकाशवाणी पटना मे मैथिली के आओर जगह भेटयःताराकांत झा

विधान परिषद के सभापति ताराकांत झा आकाशवाणी पटना सं मैथिली के आओर सम्मान देबाक अपेक्षा कएलनि अछि। पटना समाचार एकांश के स्वर्ण जयंती समारोह के उद्घाटन सत्र में सोमकए ओ कहलनि जे आकाशवाणी पटना सदैव देशहित और समाजहित में काम कएने अछि। बजलाह जे विश्वसनीयता में आकाशवाणी सर्वोपरि छैक। स्मरण करओलनि जे आपातकालो में सरकार सं नजरि बचाकए आकाशवाणी पटना के समाचार एकांश लोकसभ के खबरि दैत रहल। एहि ठाम सं एखन समाचार बुलेटिन तं प्रसारित भ रहल छैक मुदा ई देखैत जे मैथिली भाषाभाषीलोकनिक संख्या साढ़े तीन करोड़क आसपास छैक,एहि बुलेटिनक समय बढाओल जएबाक चाही। पाठक लोकनिकें बतबैत चली जे 28 दिसंबर 1959 सं आकाशवाणी पटना प्रादेशिक समाचार एकांश के तहत समाचार बुलेटिन के प्रसारण शुरू कएने छल। एहि अवसर पर आकाशवाणी परिसर में आयोजित स्वर्ण जयंती समारोह में संयुक्त निदेशक (समाचार) अरुण कुमार वर्मा कहलनि जे ग्रामीण विकास में आकाशवाणी के बड्ड योगदान रहल छैक।

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने