
देखि हमरा चिंता भेल घोर,
विद्यापतिक आँखि मे नोर।
नही देखल ई स्वप्न मे ,
देखलहुं गिरीश पार्कक एक कात मे ,
हुनक श्वेत प्रतिमा जेना हो ,
पार्कक अन्य लता, पुष्प
ओ तरु सभ सं एकदम बारल,
कोनो व्यथा सं झामरल,
समय छल शीतकालक भोर।
पहिने विश्वास नहि भेल नजरि पर ,
देखलहुं निहारि क' प्रतिमा पर ,
हुनक नेत्र सं खसयबला छल नोर एक ठोप ,
कोढ धरकय लागल छल जेना चलल हो तोप,
भेल छल ई हुनक नोर नहि , भ' सकैछ शीतक बूंद,
तखने टप सं खसल महि पर नोरक एक बूंद,
विश्वास भेल, देखलियनि हुनक कांपति ठोर।
हम कहलियनि-की मामिला छैक ?
अहांक नेत्र सजल , किएक ?
की , अहांक यशोगान मे कतहु कोताही ?
ढेर उपलब्धि सभ अछि, आब कत्ते चाही ?
कहू , मिथिला- मैथिलीक स्वर अछि दबल ?
वा एकर विरोधी तत्व भेल अछि सबल ?
थिर होऊ, नहि छोड़ब कोनो कसरि कोर।
मिथिला- मैथिलीक स्वर अछि प्रबल,
की कहै छियह सुनह कलबल ,
आम मैथिल जाबे बुझत नहि मैथिलीक मोल,
ताबे की हेतह पीटने ढोल ?
ई भेलह जे जरि ठूंठ आ फुनगी हरियर ,
मुरही कम आ घुघनी झलगर,
खाली हमर गुण गएने किछु हेतह थोड़ ?
एतबे कहि ओ पुनः भए गेलाह पाथरक प्रतिमा ,
धोआ गेल छल हमर मोनक कालिमा ,
सूर्यक तीक्ष्ण रौद लागल, लेलहुं आंखि मुनि ,
किरण फाडि देने देने छल शीतक प्रभावे लागल धुनि,
पेट मे कुदकय लागल छल नमहर बिलाइ ,
इच्छा भेल किछु होटल मे डटि कए खाइ ,
गेलहुं खाय , दए दाम माछ-भातक संग फ्री झोर।
आ कि शीघ्र अंतर्मन देलक एक प्रश्न पर जोर ,
कोना सुखायत विद्यापतिक आंखि केर नोर ?
maithili bhasha padhne me to kaafi rochak lagi...haan kai shabd samjhna kathin laga....koi baat nahipadhte-padhte aa jayega....jitna samajh aaya acchha laga....
जवाब देंहटाएंरूपेश जी अहाँ नीक रचनाकार छी से त' बुझाने छलहुँ, लेकिन एतेक ह्रदयस्पर्शी आ मार्मिक लेखन शैली के माहिर छी से आई पहिल दिन अनुभव क रहल छी..........रचना में बहुत महत्वपूर्ण तथ्य निहित अछि, वास्तविकता अछि.....नीक लागल.............हमर शुभकामना सतत अहांक संग अछि I
जवाब देंहटाएंअहांक मनीष
http://manishjha1.blogspot.com/
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।