जागू आब -रूपेश कुमार झा 'त्योंथ'

एक दू दिस कें कहय,
चारू दिस अन्हार अछि ।
मूर्ख अछि गद्दी पर बैसल ,
पढ़ल-लिखल बेकार अछि ।
जतय देखू मारि - फसाद ,
होइत लूट - पाटक काज अछि ।
विकास त' सपनेहुँ नहि देखू ,
शैतानक भेल राज अछि ।
हिंसा आ बेईमानी केर ,
भेल सउँसे आधिपत्य अछि ।
आजुक गाँधी-नेहरू सभ,
बजैत खाली असत्य अछि ।
एम्हर, ओम्हर, जेम्हर देखू ,
दानव करैत किलोल अछि।
उजरा खादी कुरता पाछा,
दबल बहुत रस पोल अछि ।
बन्न पडल अछि बुद्धिक ताला,
मूर्खक शासन ई लोकतंत्र अछि।
फुइस फसाद अछि फुला रहल ,
ई लोकतंत्रक मूल मंत्र अछि ।
नवक्रान्तिक छथि मांग करैत भू ,
सबहक मति आइ मारल अछि ।
सत्य अहिंसा आइ काल्हि,
एहि समाज सं बारल अछि ।

5 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. ठीक लिखालो रूपेश झा जी -
    उजरा खादी कुरता पाछा
    दबल बहुत रस पोल अछि ।
    बन्न पडल अछि बुद्धिक ताला,
    मूर्खक शासन ई लोकतंत्र अछि।
    बहुत बहुत धन्यवाद ,
    रूपेश जी

    जवाब देंहटाएं
  2. सत्य अहिंसा आइ काल्हि,
    एहि समाज सं बारल अछि ।

    theeke

    जवाब देंहटाएं
  3. रुपेश, लोकत्रंत मे केखनो नवक्रांति संभव नहि। हँ क्रांति जरुर भए सकैत छैक। मुदा करत के।कहिओ दुर्गा चरण मित्र सट्रीटक हाल लिखह। भाया कंपनी बगान , हरिसन रोड।

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने