एक अलग पहचान !

कतेक सुखद हेतीए, अगर लोग के बिच मs आहा के एक अलग पहचान रहतीए ? लोग अपने कs पसंद करैथ, अपने स मिलब पसंद करैथ, अपने के बात कs ध्यान सs सुनैथ, इ हर इन्शान के चाहत होइत अछि !!

मुदा अपने कs इ माने परत की इ सब एतबो आसान नै छै ! एक अलग शख्सियत के मालीक हेनै बहुत मुश्किल अछि ! खाली शारीरिक सुन्दरता, पद आर पैसा के बस के इ बात नै अछि ! आहा एक आम आदमी भेला के बावजूद भी खास बैन सके छी ! बशर्ते किछ छोट - मोट बात अगर याद राखी !

किछ याद राखै योग्य बात .........

* एक निक श्रोता बनू !

* निक वक्ता ओ कहलाबैत छैथ जे सब के बात क सुनैथ आर अंत मs सोइच कs अपन विचार रखैत छैथ !

* ज्यादा बाजब, डींग हाकब, व्यंग्य करब, अपने मुह मिया मिट्ठू बनब अई तरहक बात अपने के शख्सियत कs गलत साबित कैर सकेत अछि !

* हमेसा ओही तरहक बात करबाक चाही जे आहा के जीवन मs खरा उतरे ! जकरा आहा स्वयं व्यवहार मs लाबे छी !

* अपन बहुमूल्य राय किनको मांगला पर दीयोंन !

* सुतई समय अपन स्वविलेषण जरुर करी !

* अपन सिधांत बनाबू, आर ओई पर अमल करै के हर संभव प्रयास करू !

* हमेसा सकारात्मक सोच राखी ! मनोवैज्ञानिक के कहब छैन की आत्मविश्वास आर आशावादी व्यक्ति हर चुनोती के सामना करै मs सक्षम होइत छथिन !

* निक बनै के लेल निक सोचब जरुरी अछि ! दोसर के आचरण कs छोइर कs अपन आचरण पर ध्यान देबाक चाही !

* स्वभाव मs विनम्रता के साथ दृढ़ता आवश्यक होइत अछि ! कुनू गलत बात या प्रस्ताव पर नै कहब सिखु !

अई तरहक छोट - मोट बात कs अपन व्यवहार मए उतैर कs अपने सब के बिच अपन एक अलग, स्पष्ट पहचान बनाबे मs सफल भे सके छी ! पैसा आर प्रसिद्धि के पीछा भागब व्यर्थ अछि ! अपन क्षेत्र मs सफल व्यक्ति बनै के प्रयास करू ! कारन अहि सs अपन मिथिला के पहचान अछि !!


3 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. priya jeetmohan,
    shubh snehaasheesh. vyavhaar sanskaar ke bahut prernaadaayak baat likhalaun ahan. dosar gapp ee je ahah ke blog maithili bhaasha ker maujood sab blog san saban neek laagal.

    जवाब देंहटाएं
  2. भैया प्रणाम !!

    हमरा बहुत ख़ुशी होइत अछि अपने के प्रस्तुति आई ब्लोग पर देख कs

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने