चंपारण: चंपारण जिलाक बेतिया में मंगल दिन भोर में एकटा भयानक हादसा भs गेल। सेंट एलोसिस स्कूलक छत ऐकाऐक गिर गेल। जाहिमे पहली क्लासक एकटा बच्चाक मौत भs गेल। एही हादसा में सात गोट बच्चा गंभीर रूप सँ घायल सs गेल आई ।एही हादसाक सूचना मिलला पर पुलिस मौका पर पहुँच क शुरुआती जाँच शुरू क देलक।
घटना मंगल दिन भोर में 10.30 बजे के अछि। घायल बच्चा सब केँ अस्पताल में भर्ती करा देल गेल अछि। जाहिमे तीनटा बच्चाक हालत बहुत नाजुक बताओल जा रहल अछि। ई हादसा ओहि समय भेल जखन कक्षा चैल रहल छल।ई घटना क्रिस्चन क्वार्टर मोहल्ला केँ अछि।
#मृत्यु #अचानक स्कूलक छत गिरला स #चंपारण #मैथिली समाचार