पटना: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगल दिन डायल 100 केँ शुभारंभ केलैथ। एहीके तैयारी केँ ल क सोम दिन केँ गृह विभागक प्रधान सचिव आमिर सुबहानी डीजीपी के.एस द्विवेदी आओर अन्य वरीय पुलिस अफसरक संग बैठक केने छलैथ। डायल 100 केँ की तैयारी अछि ,एहीसेँ हुनका अवगत करबैल गेल। एही बैठक में पुलिसिंग केँ आर सब मुद्दा पर सेहो विचार-विमर्श कैल गेल।
सूत्रक मुताबिक एही बैठक में थाना केँ कम सs कम दूटा गाड़ी मुहैया करेबाक लेल भारा पर गाड़ी लेबाक संबंध में सेहो बात भेल। एहीके लेल की पैमाना होयत एहीपर विचार-विमर्श कैल गेल अछि। बैठक में डायल 100 केँ लांचिंग आर ओहिके तैयारी पर मुख्य रूप सs चर्चा भेल। पुलिस अधिकारी सब गृह विभागक प्रधान सचिव केँ एहीसँ जुड़ल जानकारी उपलब्ध करबेलैथ। बैठक में एडीजी मुख्यालय एसके सिंघलक अलावा अन्य वरीय पुलिस अधिकारी उपस्थित छलैथ।
#शुभारंभ #डायल100 #पटना #मैथिली समाचार