नालंदा: नालंदा जिला में मंगल दिन एक नदी में नहाई लेल गेल चाइरटा बच्चाक डूबला सs मृत्यु भs गेल। चारू लहास केँ नदी सs बाहर निकाइल लेल गेल अछि।पुलिसक अनुसार, पेशौर गांवक रहैए बला चारू बच्चा भोर में अपन नजदीकक गोइतवा नदी में नहाई लेल गेल छल।
एही दौरान बच्चा सब ज्यादा पैन में चैल गेल और चारु केँ मृत्यु भ गेल।
रहुईक थाना प्रभारी राकेश कुमार कहलैथ कि स्थानीय गोताखोरक मदद सs सब बच्चाक लहास भेट गेल,और पोस्टमार्टमक लेल बिहारशरीफ सदर अस्पताल भेज देल गेल अछि। ओ कहलैथ कि मरैए बलाक पहचान पेशौर गांवक धनंजय कुमारक बेटा रोबिन कुमार, धमेर्ंद्र कुमारक बेटा ऋतिक कुमार, मृत्युंजय कुमारक बेटा बंटू आओर अनंतपुर गांवक भुवनेश्वर कुमारक बेटा विकास कुमारक रूप में कैल गेल अछि। हिनक सबहक उम्र 10 सेँ 14 बरखक बीच बताओल जा रहल अछि।एही भीषण घटनाक बाद सs पूरा गांव में शोक मे डुइब गेल अछि।ग्रामीण सबहक कहब अछि कि विकास अपन नानी केँ घर ऐल छल आओर अपन दोस्तक संग नदी में नहाई लेल गेल छल।तखने ई दर्दनाक हादसा भs गेल।पुलिस पूरा मामलाक जांच कs रहल अछि।
#मौत #नदी #नालंदा #मैथिली समाचार