सवर्ण सब केँ पुलिस दौड़ा-दौड़ा कs मारलक।



पटना: एससी-एसटी एक्ट में संशोधन करबाक विरोध करैत मुख्यमंत्री केर आवासक घेराव करबाक लेल जा रहल सवर्ण एकता मंचक सदस्य केँ पुलिस शुक्र दिन दौड़ा-दौड़ा कँ पीटलक। लगभग एक घंटा तक गांधी मैदान सs डाकबंगला तक केर इलाका रणक्षेत्र में बदैल गेल छल। लाठीचार्ज सs कतेको प्रदर्शनकारी आओर पुलिसकर्मी घायल भ गेल छैथ। पुलिस आओर प्रदर्शनकारी केँ भिड़ंत में कतेको रोड पर चलैए बला लोग सब सेहो घायल भ गेल छैथ।

सवर्ण एकता मंचक बैनरक संग सवर्ण सेना, भूमिहार-ब्राह्मण एकता मंचक सदस्य शुक्र दिन गांधी मैदान में ऐक जूट भेलैथ।ओतैए सs  मुख्यमंत्रीक आवासक लेल निकैल गेला पुलिस-प्रशासन हिनका सबकेँ जेपी गोलंबर पर रोकबाक प्रयास केलक। मूदा कनिक देर तक तs प्रदर्शनकारी सब रुकल, मुदा फेर पुलिसक घेरा तोड़ैत डाकबंगलाक तरफ चैल देलक। डाकबंगला पर हिनका सबकेँ रोकबाक लेल पहिले सs फोर्स तैनात छल। ओही समय विद्यापति भवन में काव्यांजलि कार्यक्रमक लेल राज्यपाल आओर उप मुख्यमंत्री केँ जेबाक छल, एहिलेल पुलिस ज्यादा सतर्क छलैथ। जाम लगबाक कारण ट्रैफिक सामान्य करनाई चुनौती छल। ऐहेन में प्रदर्शनकारी सब जेनाहिते डाकबंगला पर पहुंचल। पुलिस हुनका सबके रोकबाक प्रयास केलक। एही पर प्रदर्शनकारी सब उग्र भs गेल। पुलिस भीड़ केँ तितर-बितर करबाक लेल लाठीचार्ज केनाई चालु केलक। एक-एक प्रदर्शनकारी पर पुलिसकर्मी सब टूइट पड़ल। जाहि सs ओहि जगह अफरातफरी मैच गेल। प्रदर्शनकारी सब इम्हर-उम्हर भागैत रहल आओर पुलिस हुनका सबकेँ दौड़ा-दौड़ा कs पीटैत रहल।
#लाठीचार्ज #स्वर्ण संगठन #बिहार #मैथिली समाचार