पूर्व मंत्री मंजू वर्माक पति चंद्रशेखर वर्मा केँ गिरफ्तार करबाक भेल आदेश।



पटना: पूर्व समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्मा केर पति चंद्रशेखर वर्मा कखनो भी गिरफ्तार भ सकैत अछि। बेगूसराय केर एसपी आदित्य कुमार हुनक गिरफ्तारी केर आदेश जारी कँ देलक आई। पटना और बेगूसराय में चंद्रशेखर वर्माक तलाश कैको जगह पर में छापा मारल गेल,मुदा ओ नञि भेट सकल।
एसपी आदित्य कुमार कहलक  पटना व चेरियाबरियारपुर स्थित श्रीपुर पंचायतक अर्जुन टोला स्थित आवास पर पुलिस सब छापेमारी केलक, मुदा चंद्रशेखर दुनु जगह नञि भेटल। एसपी कहलक , हुनक सब अंगरक्षक केँ हटा देल गेल अछि।पूर्व मंत्री मंजू वर्मा बीतल अगस्त में समाज कल्याण मंत्री केर पद सs इस्तीफा  देने छली।
#आदेश #गिरफ्तारी #पूर्वकल्याण मंत्री पति #बिहार #मैथिली समाचार