पटना : बिहार राज्य मुख्य सचिव दीपक कुमार एवं डीजीपी के. एस. द्विवेदी केर संयुक्त तत्वावधानमे वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग केर माध्यम सँ बिहारकेँ समस्त जिलाक डीएम, एसपी, आईजी व डीआईजी केर कहल गेलनि जे आब आगाँ सँ समूचा बिहारमे दुर्गापूजा, मुहर्रम वा आरओ कउनो पावनि-तिहारमे डीजे बजेबा पर पाबंदी लगाओल जाय संगहि कउनो तरहक धार्मिक जुलूस निकालबा सँ पहिने आयोजक केँ जुलूस वास्ते लाइसेंस लेनाय आवश्यक हो। जनतब हो जे ई लाइसेंस डीएसपी द्वारा जारी कयल जायत। जुलूस निकालनाहर निर्धारित कयल गेल रोड मैप संगहि तय समय केर हिसाबसँ जुलूस निकालि सकताह ।
गृह विभागक प्रधान सचिव आमिर सुबहानीक कहब छैन जे , बिहार में किछु जिला केँ चिह्नित कैल गेल अछि, ओहि जिला में सबसँ ज्यादा निगरानी रखबाक जरूरत अछि। एही जिला में गया, नवादा, मुजफ्फरपुर, पूर्वी चम्पारण, भागलपुर, सीतामढ़ी,सीवान, सारण, जमुई, औरंगाबाद, कटिहार आओर अरवल केँ नाम अछि। एही जिला सब में पुलिसक सघन निगरानीक अलावा पाबैनक समय में बेसी संख्या में मजिस्ट्रेटक तैनाती कैल जेत।
ऐही मुद्दाक लँ क मिथिलाक धिया आओर मधुबनी जिलाक हमर सबहक दुलरी बहिन जिनक नाम अछि, "बिट्टु मिश्रा" जिनक ऐगो खबैर मिथिला दैनिक कवरेज केने छल,उहो न्यूज एही अश्लीलत गीतक खिलाप धरना देने छेलैथ।ओहिके सबंध मे छल।ओर फेर आइ स किछु दिन पुर्व सेहो जागरूकता अभियानक तहत बिट्टु मिश्रा (मिथिलाक दुलरी बेटी)जे डिजे,आर्केस्ट्रा,भोजपुरी/मैथिली केँ अश्लील गीत सबहक बंद करेबाक लेल अप्पन जिलाक डिएम, डीएसपी सs एही मुद्दा केँ ल क बात चीत कs विज्ञापन देने छलैथ।
एही मुद्दा पर बातचीत करबाक द्रव्यान मिथिलाक दुलरी बेटी "बिट्टु मिश्रा" कहलैथ , आजुक समय में हमर समाज केँ अश्लील गीत व अश्लील आर्केस्ट्राक कार्यक्रम दूषित(गंदा) कs रहल अछि। जाहि सs बेटी सब केँ बहुत रास कठनाई केँ सामना करैए परैत अछि। बिट्टु मिश्रा ऐही मुद्दा पर लगातार अभियान चला हरेक आदमी केँ ऐहिके प्रति जागरूक सेहो कँ रहल अछि। किछु असमाजिक तत्व अछि, जे जबरन पूजा व समारोह में गंदा गंदा गीत बजबैत छैथ,और अश्लील आर्केस्ट्रा कराबैत अछि। एहि सबके ल क बिट्टु धड़ल्ला सs चैल रहल आर्केस्ट्राक पंजीयनक जांचक मांग केली । अधिकारी सब सेहो ऐही पर कार्रवाई केँ भरोषा देलक हन।बिट्टु के मांग अश्लील भोजपुरी गाना केँ बंद करू ऐहेन गीत जे गाबैए छैथ उक्त गायक व निर्माता पर कार्रवाई करबाक हेतू बिहार में सेंसर बोर्डक गठन कैल जाय ।
#विज्ञापन # अश्लील गीत #बिहार #D M-D S P #मैथिली समाचार