फेसबुक परहक "सखी बहिनपा समुहक माध्यम सs"मैथिलानी" सब अपन मातृभाषा भाषा और सभ्यताक बचेबाक लेल बढेलैथ हाथ।



दरभंगा:[प्रणव चौधरी] दरभंगा में काइल रवि दिन "सखी बहिनपा" मिलनक समारोहक अद्भुत आयोजन कैल गेल छल।लहेरियासराय मे सात फेरे विवाह भवन में काइल मिथिलाक महिला सभहक मिलन कार्यक्रम के ऐगो अलग तरह  सs नजैर ऐली। ई आयोजन मात्र मनोरंजनक लैल नञि , बल्कि मिथिला सँ विलुप्त भ रहल सभ्यता-संस्कृति केर बचेबाक लेल ऐगो नवा शुरुआतक संदेश द रहल छल।अपने सबके जनतब द दी जे "आरती झाक" द्वारा एगो "फेसबुकक समुह"  “सखी बहीनपा” नाम सs बनाओल गेल अछि।एही ग्रुप में अखन फिलहाल 10 हजार सs ज्यादा मैथिलानी जुइड़ चुकल छैथ। सबसँ नम्हर गप ई अछि जे  एही समुह में जे कोनो पोस्ट व कमेंट होइत अछि, ओ सिर्फ मैथिली में ।


हिनक सभहक संकल्प अछि कि मिथिला सs दहेज नामक कैंसर बिमारी के खत्म करबाक लेल मैथिलानी सभके आगा आबैए परत, तखने दहेज खत्म होयत अपन मिथिला सs।सभ मैथिलानी  काइल एक संग प्रण लेलैथ कि हम सभ अपन बेटा के विवाह मे एक टका दहेज नञि लैब। ओर संगैही मिथिलाक धिया ओर गृहणी सभके आत्मनिर्भर बनेबाक लेल काज करब।अपन मिथिला पेंटिंग केर लेल चर्चित "कल्पना चौधरी" जे महिला सभके मिथिला पेंटिंग सिखेती, ओतैए "पुष्पा झा" ब्यूटीशियनक शिक्षा निशुल्क देती।एही आयोजन में काइल दरभंगा मधुबनी और समस्तीपुरक लगभग एक सौ सs ज्यादा मैथिलानी सभ भाग लेलैथ।ओहि समारोह मे उपस्थित भेल समस्त मैथिलानी पांरपरिक पाबैन आओर मैथिली गीत नादक सेहो आगा बढेबाक निर्णय केलैथ और पारंपरिक सांस्कृतिक कार्यक्रमक सेहो प्रस्तुती देलैथ।
#मिथिलाक -विकास आओर संरक्षण # नारीशक्ति समूह # मैथिली समाचार