जम्मू-कश्मीर: जम्मू-कश्मीरक हंदवाड़ा में आतंकी सबहक खून-खराबा रुकबाक नाम नञि लs रहल अछि। अखन ताजा मामला मंगल दिन जे कुपवाड़ाक हंदवाड़ा के अछि। घात लगाक बैसल आतंकी सब ऐगो नम्हर हमलाक अंजाम देबाक फिराक में छल।मूदा ओही ठाम मुस्तैद सुरक्षाबल सब आतंकी सब केँ हुनक काज में कामयाब नञि होबैए देलक।समय रहैत ही आतंकी सब पर हमला कैल गेल । सुरक्षाबलक एही ऑपरेशन में नम्हर सफलता भेटल। सुरक्षाबल सब दुगो आतंकी के माइर गिरेलैथ ।
आतंकी सs मुठभेड़क बाद पूरा क्षेत्र में इंटरनेट सेवा रोइक देल गेल अछि। बताओल जा रहल अछि कि ई एनकाउंटर सोम दिन सँ शुरू भेल छल। एही ऑपरेशन के 30 गो राष्ट्रीय रायफल, 92 गो बटालियन सीआरपीएफ सब मिल संयुक्त रूप सs अंजाम देलक। देर राइत लगभग 2.30 बजे आतंकी सबहक रहबाक खबैर भेटल छल।
#आतंकी ढेर #जम्मू-कश्मीर #मैथिली समाचार