मधुबनी: किसान सब सँ खरीदल गेल धानक कालाबाजारी कैल जा रहल अछि। ई एफआईआर जिला सहकारिता पदाधिकारीक,मधुबनी केर आदेशानुसार बीसीओ शंभू कुमार पासवान "सतघारा" पैक्स अध्यक्ष "अहीभूषण झा" और प्रबंधक "श्वेता कुमारी" केर विरुद्ध बाबूबरही थाना में खुलल बाजार में किसान सब सँ खरीदल गेल धानक कालाबाजारी करबाक, सरकारी राशि गबन करबाक ओरोप, व खरीफ विपणन वर्ष 2017-18 में पैक्सक द्वारा 403 क्विंटल धानक अधिप्राप्ति कैल गेल।एहीके समतुल्य 270.0 1 क्विंटल सीएमआर राज्य खाद्य नियम केँ 31 जुलाई 2018 तक आपूर्ति करबाक छल,मुदा ऐहेन नञि कैल गेल। आपूर्ति नञि कँ अध्यक्ष व प्रबंधक मिलक एही के खुलल बाजार में बेचक 624650 रुपया केर गबन केललक। जखन की खरीद रखरखावक सभ जिम्मेवारी अध्यक्ष प्रबंधक होयत अछि। पुलिस एफआईआर दर्ज कर मामलाक छानबीन शुरु क देलक । अध्यक्ष और प्रबंधक बीसीओ केर आरोप केर निराधार और बेबुनियाद बतेलक ।
#मधुबनी #कालाबाजारी #मैथिली समाचार