सुसासन बाबु केर राज मे बेखौफ अपराधी ?



मुजफ्फरपुर: मुजफ्फरपुर जिलाक नगर थाना केँ बनारस बैंक चौक लंग अग्निशमन कार्यालयक नजदीक सुसासन बाबु केँ राज में बेखौफ अपराधी सभ पूर्व मेयर समीर कुमार केँ एके 47 सs भूइन देलक। ई घटना काइल दिन रवि दिन शाझक सात बजे केँ अछि।मोटरसाइकिल पर सवार भेल अपराधी सभ चंदवारा ट्रेनिंग कॉलेज सs आगा बरहैए पर अग्निशमन कार्यालय सs 5 कदम पहिले पूर्व मेयर समीर कुमारक कार केँ घेरक सामने सs अंधाधुंध गोली चला देलक अपराधी केँ गोली सs  मौके पर पूर्व मेयर समीर कुमार व हुनक ड्राइवर रोहित कुमार केँ मौत भs गेल। एहिके बाद हथियार केँ लहराबैत मोटरसाइकिल सवार अपराधी भाइग निकलल। समीर कुमार लकड़ीढ़ाई केँ तरफ सेँ बनारस बैंक चौकक तरफ आइब रहल छलैथ।एही घटनाक पीछा प्रॉपर्टी डीलिंग व पुरानी अदावत केर बात बताओल जा रहल अछि।
उक्त घटनाक सूचना पर आईजी सुनील कुमार, एसएसपी हरप्रीत कौर, टाउन डीएसपी मुकुल कुमार रंजन केर साथ नगर, काजी मोहम्मदपुर, ब्रह्मपुरा, बेला, मिठनपुरा सहित कतेको थाना केँ पुलिस मौका पर पहुंच गेल छल। टाउन डीएसपी पूर्व मेयर समीर कुमार केर हत्याक पुष्टि करैत कहलैथ कि ऐही वारदात में शामिल गिरोह केँ चिह्नित कैल जा रहल अछि।ओही जिलाक सीमा केँ सील कs सभ थाना केँ हाई अलर्ट कँ देल गेल अछि। ओर संगैह अगल-बगल केर जिलाक  पुलिस सs सेहो संपर्क साधल गेल अछि। पुलिस घटनास्थलक पास सँ एगो निजी स्कूलक सीसीटीवी फुटेज खंगालक आई ।हालांकि ओहिमें किछु साफ नञि भs सकल। बताओल जा रहल अछि कि ऐही घटनाक समय ओही इलाका केँ बिजली सेहो गुल छल। पुलिस मोहल्ला केँ आदमी आओर आसपासक दुकानदार सबसँ पूछताछ कs अपराधी केँ पहचान करबाक कोशिश क रहल अछि।राइत मे एसआईटी केँ टिम आधा दर्जन संदिग्ध सभके पूछताछ करबाक लेल अपना गिर्फत मे लs लेलक आई । दोसर तरफ एही शहरक किछु होटल में सेहो छापामारी कैल गेल अछि। अखाड़ाघाट सs ल क सिकंदरपुर तक केर सीसीटीवी केँ सेहो खंगाला गेल हन।

एसएसपी घटनास्थल पर खड़ा क्षतिग्रस्त कार जेहि मे समीर के मडर भेल छल,ओहि केँ छानबीन केलक।जेहिमे पुलिस केँ जमीनक आधा दर्जन पेपर भेटल हन।एहिके अलावा जमीनक नक्शा सेहो बरामद काईल गेल अछि। उक्त नक्शा पर जमीनक प्लानिंग देखाउल गेल अछि। एहिके अलावा एगो महिलाक नाम सs शपथ पत्र सेहो भेटल हन जे जमीनक खरीद-बिक्री सs जुड़ल बताओल जा रहल अछि। ओहि कार सs पुलिस किछु कपड़ा आओर साबून सेहो बरामद केलक आई ।
मुजफ्फरपुरक जोनल आईजी "सुनील कुमार" कहलैथ कि पूर्व मेयर "समीर कुमार" केँ हत्याक जांचक लेल एसएसपी हरप्रीत कौर व सिटी एसपी उपेंद्र नाथ वर्माक नेतृत्व में विशेष टीमक गठन कायल गेल अछि। ई टीम  केँ कतेको बिंदु पर जांच करबाक लेल आदेश देल गेल अछि। एही इलाका केँ पुरान शार्प शूटरक चिह्नित करबाक निर्देश देल गेल अछि। एसआईटी केँ गठन कँ एही मामलाक जल्द खुलास क़ाइल जेत ।
#मर्डर # पूर्व मेयर # मुज़फ़्फ़रपुर # मैथिली समाचार