मुजफ्फरपुर:पूर्व मेयर "समीर कुमार" आओर हुनक ड्राइवरक हत्याक मामला में पुलिसक जांच अखन चालु अछि।एहि मामला में एसएसपी हरप्रीत कौर मीडिया सs बात करैत जानकारी देलैथ कि पुलिस केँ हाथ किछु अहम सुराग लागल अछि।एहिके जांच कैल जा रहल आई आओर जल्दे एही मामलाक खुलासा कँ देल जैत।
ऐही घटनाक बाद मौका पर पहुंचल एसएसपी हरप्रीत कौर एही हत्याकांडक बारे में जांचक बाद पूरा जानकारी देबैए केँ बात कहलैथ। ओ बतेलैथ कि घटनास्थल पर लागल सीसीटीवी फुटेज सs किछू जानकारी सामने ऐल अछि।मुदा ओहि सबहक बारे में गहन जांच केलाक बाद किछु भी बताओल जा सकैत अछि।एसएसपी जानकारी देलक जेँ अहि घटनाक बाद दुनु लहासक पोस्टमार्टम करा कँ हुनक परिजन के दँ देल गेल।
ओतैए हत्या में उपयोग कैल गेल हथियारक बारे में पूछला पर एसएसपी कहलक कि कोनो नम्हर हथियार सs हुनक ई हत्या कैल गेल अछि,फिलहाल अखन हथियारक पहचान करबाक लेल एसएफएल केँ टीम केँ बजैल गेल अछि। वैह घटनाक कारणक बारे में ओ कहलैथ कि अखन जांचक बादें किछु भी बताओल जा सकैत अछि।संगैहि एसएसपी ईहो कहलक कि 20 केँ करीब गोली कार केँ शीशे में लागल भेटल।
#पूर्व मेयर हत्या कांड #मुज़फ़्फ़रपुर #मैथिली समाचार