एक आओर मिथिलाक लाल कश्मीर म' शहीद भ' गेला, पूरा गाम म' चहुओर छाओल मातम

गोपालगंज। 14 जुलाई। गोपालगंज के बैकुंठपुर थानाक बनौरा गामकेँ प्रवीण कुमार कैल्हि गुरुवार दिन आतंवादी सभक हमला म' शहीद भ' गेला। जहिना ई खबैर गाम म' पहुँचल पूरा गाम म' मातम पसैर गेल।  शहीद प्रदीप कुमार के परिजनक मुताबिक प्रवीण एयरफोर्स म' जम्मू के श्रीनगर म' तैनात छलाह। ओ दू माह पहिने गामसँ छुट्टी बिता ड्यूटी ज्वाइन करे श्रीनगर वापस गेल छलाह। जखन ओ श्रीनगर म' अपन सेना  कार्यालय जाएत छलाह, टखने आतंवादी सभ निशाना बनौलैन्ह। 

आए शुक्रदिन बेटाक शहीद होयबाक खबैर जहिना गोपालगंज के बैकुंठपुरक बनौरा गाम पहुँचल, शहीद केँ माँ सहित पूरा गामक माहौल गमगीन भ' गेल। अपन गामक शहीद लाल क' देखबाक लेल ग्रामीण सभक हुजूम उमैर पड़ल। शहीद प्रवीणक 6 बरख पहिने बिआह भेल छलैन्ह। हुनकर पत्नी अनीता देवी आओर 4 बरखक बेटी पलक सेहो श्रीनगर म' हुनका संगे रहैत छली। शहीदक शव दू दिन बाद गाम म' पहुँचबाक उम्मीद अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने