इंदौर:[नुनु झा मैथिल] समस्त मिथिलावासी केँ अपार खुशीक संग सुचना देल जा रहल अछि जे की इंदौरक मैथिल समाज में पहिले ऐगो संस्था,छल मुदा इम्हर आइब कँ आपसी किछु केस केँ ल इंदौर में दुगो मैथिल संस्थाक निर्माण कैल गेल अछि।
नव संस्था बनबैए सs पहिले पुरान संस्था जे विद्यापति परिषद् इंदौरक नाम सs चैल रहल छल। जाही में विगत किछु बरख सs सुचारु रूप स गतिविधि नञि छल ।बस यैह सब कारण सs इंदौर केँ मैथिल सब फेर ऐकटा नव संस्था बनेलैथ । ओर मिथिला मैथिल लेल तन मन धन सs काज करबाक लेल अपन भिरा उठेलैथ ।
अपनेक जनतब दs दी जेँ "नुनु झा मैथिल" जे मिथिला मैथिल केँ प्ररचारक छैथ,ऐतबे नञि सोशल मीडियाक द्वारा कतैको बैर निक बैजाय लिख इंदौर मैथिल समाजक स्वाभिमान जगेबाक कोशिश केला। अंततः कोशिश में सफल रहला। मुदा इंदौर मैथिल समाज में दुगो संस्था भेल ,जाहिमे नव संस्थाक नाम "मैथिल मंच इंदौर" केँ नाम सs शुरू कैल गेल अछि। जाहिके अध्यक्ष उदय कान्तं ठाकुर ओर सचिव श्री मुकेश झा केँ मैथिल मंच इंदौर केँ सब सदस्य केँ सर्वसम्मति सs बनाओल गेल।
#निर्माण #मैथिल संस्था #इंदौर(M.P) #मैथिली समाचार