पटना: डिप्टी सीएम रहैत सुशील मोदी केँ ई बयान कानून-व्यवस्था सs जोइड़ कs देखल जा रहल अछि।विपक्षक नेता तेजस्वी यादव तँ ट्वीट कs ऐतैए तक कैह देलक जे कि किछु दिनक बाद डिप्टी सीएम(सुसील कुमार मोदी) अपराधी सबहक पैर मे गिर कs शांत रहबाक लेल निवेदन करता।
बिहारक उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी मुजफ्फरपुरक पूर्व मेयर "समीर कुमारक" जघन्य हत्याक एक दिनक बाद अजीबोगरीब बयान देलैथ । गया में पितृपक्षक मेलाक उद्घाटन केर मौका पर सुसील कुमार मोदी अपराधी सबसँ आग्रह केलैथ जे कि अहाँ सब कम सेँ कम अगला 15-16 दिन तक शांति बनेने राखू।
सुशील मोदी कहलैथ, “कोनो भी बाहर सs आबैए वाला आदमी केँ शिकायत नञि हेबाक चाही. हम तs अपराधी सs सेहो हाथ जोइड़ कँ आग्रह करब जे कि पितृ पक्ष में तँ ई काज काम सँ कम छोइड़ दियौउ। बाकी दिन तँ मना करी व नञि करी किछु ने किछु करैत रहैत अछि। कम सs कम अगला 15-16 दिन में कोनो ऐहेन काम नञि करू, जेहिसँ बिहारक प्रतिष्ठा आओऱ गयाक प्रतिष्ठा खराब होय।
# शान्तिक अपील # डिप्टी cm #बिहार #मैथिली