तीन दिन में गंगा के जलस्तर में होयत 1 फीट केर बढ़त।


 

भागलपुर: भागलपुर में गंगा नदीक किनारा में रहै बला लोग सभ केँ लेल आबैए वाला चाइर दिन  दुश्वारियां लाइब सकैत अछि। दरअसल जलसंसाधन विभागक अधीक्षण अभियंता "सफदर आलम" कहलैथ जे कि पीछा सँ लगभग साढ़े तीन लाख क्युसेक्स पानी गंगा में छोड़ल गेलहन जे संभवतः 3 दिन में भागलपुर पहुंच जाऐत। एही पाइनक भागलपुर ऐलाक बाद गंगा केर मौजुद जलस्तर में लगभग 1 फीट तक केँ बढ़वाक संभावना अछि।

उम्हर गंगा केर धार में कमी सेहो नजैर ऐल हन।मुदा जलस्तर में लगातार बढ़ोतरी भ रहल अछि।केंद्रीय जल आयोग भागलपुर केर द्वारा जारी रिपोर्ट में बताओल गेल अछि कि बीतल 24 घंटा में हनुमान घाट बरारी में गंगा नदीक जलस्तर में दस सेमी केँ बढ़त भेल हन।गंगा अखन अपन खतराक निशान सँ23 सेमी नीचा बैह रहल अछि।
#गंगा #जल स्तर #बढ़ोतरी # भागलपुर #मैथिली समाचार