खिलाड़ी सब केँ भेटत सरकारी नौकरी में आरक्षण ।



पटना: बिहार में राष्ट्रीय-अंतरराष्ट्रीय कौशल प्रतियोगिता में सफल होबैए बला खिलाड़ी सब केँ लेल खुशखबरी अछि।  एही प्रतियोगिता में सफल होय बला खिलाड़ी सबके सरकारी नौकरी में आरक्षण भेटत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एही बातक घोषणा केलैथ ।
नीतीश कुमार श्रम विभाग में खेल कोटा केँ जेना कौशलक फील्ड में सेहो नौकरी देबाक घोषणा केलैथ ।  प्रधान सचिव दीपक कुमार सुझाव देलैथ आई , सीएम कलैथ कि ई अपनेबा योग्य अछि।
ओ आगा कहलैथ जे  कौशल युक्त भेनाई आजुक समयक सबसेँ पैघ जरूरी होयत अछि।एही सs समाज में कटुता और झगड़ा खत्म होयत।
#आरक्षण #खिलाड़ी #पटना #मैथिली समाचार