कुख्यात गैंगस्टर संतोष झा केर कोर्टमे पेशी होबाक क्रममे भेल हत्या

सीतामढ़ी : बिहारकेँ सबसँ पैघ गैंगस्टरमे सँ एक संतोष झा केर आय गोली मारिकय हत्या कय देल गेल। कोर्टमे पेशी हेतु सीतामढ़ी कोर्टमे जखन संतोष झा केर लाओल गेल छल तखनहि पहिनेसँ निशाना लगउने अपराधी सभ द्वारा अहि घटनाके अंजाम देल जेबाक जनतब भेटल अछि। गोली मारलाक बाद अपराधी सभ घटनास्थल सँ भागि गेल तकरा बाद संतोष झा केँ गंभीर हालतमे अस्पताल लय जाओल गेल, जेतहि घायल संतोष केर मौत भय गेल। पुलिस मौका पर पहुँचि चुकल अछि, कोर्ट परिसरमे अहि घटनाकेँ अंजाम देनिहार अपराधी सभक कउनो खबैर एखन धरि पुलिस केँ हाथ नहि लागल छन्हि।

विदित हो जे संतोष झा मूल रूपसँ शिवहर केँ रहनिहार छल जेकर आतंक समूचा बिहारमे व्याप्त छल। संतोष झा जेलमे बैसिकय अपन गिरोह केँ संचालन करैत छल। पैघ कंस्ट्रक्शन कंपनी सभ अहि कुख्यात अपराधी केँ निशाना पर प्राथमिकता में रहैत छलनि। संतोष झा केर पुलिसिया इतिहासक अनुसार ओ उत्तर बिहारकेँ इलाकामे काज केनिहार कतेको कंपनी सभसँ करोड़ों टाकाक वसूली कयने छल। समूचा बिहारकेँ कतेको जिलाक जेलमे संतोष झा केर राखल जाएत रहल छल।

बता दी जे आय 28 अगस्तके सीतामढ़ीक एकटा मामिलमे अहि गैंगस्टरक पेशी हेतु जेल सँ कोर्ट लाओल गेल छल, पुलिस सेहो संग छल मुदा तैयो पहिने सँ निशाना बनउने अपराधी सभ बिना कउनो डरकेँ संतोष झा केँ गोली मारि देलक। कतेकोरास गोली चलाओल गेल जाहि कारणे समूचा कोर्ट परिसरमे भागमदौड़ मचि गेल छल, मुदा अपराधी भगबामे सफल भए गेल।

संतोष झा केर मुख्य शूटर मुकेश पाठक रहल अछि। मुकेश पाठककेँ नाम ओहिसमय खूब चर्चामे छल जाहिसमय 2016 में दरभंगामे सड़क निर्माण करा रहल एकटा कंपनी केँ दू टा इंजीनियरक गोली सँ भुनिकय हत्या कय देल गेल छल। अहि घटनामे एके-47 सन हथियारक उपयोग कयल गेल छल। किछुसमय पश्चात बिहारक एसटीएफ द्वारा मुकेश पाठक केँ रामगढ़मे चलैत ट्रेनसँ गिरफ्तार कयल गेल छल। 

सीतामढ़ी सँ भेटल जानकारी अनुसार अस्पतालमे संतोष झा केर मृत्यु भए गेल अछि। समूचा देहमे कतेकोठाम गोली लागल छल। ओतहि भारी संख्यामे पुलिस प्रशासन केँ तैनात कयल जेबाक समाद सेहो भेटल अछि। मृतक संतोष झा सँ जुड़ल लोकसभ सेहो अस्पताल पहुँचि रहल छथि।