सकरी-बिरौल रेलखंड पर परिचालन ठप भेलासँ यात्री छथि परेशान

सकरी : सकरी-बिरौल रेलमार्ग पर पछिला 10 दिन सँ परिचालन बन्न पड़ल अछि। अहि कारण स्थानीय लोकसभ रेल प्रशासन केँ खिलाफ उग्र आंदोलन करबाक गप कय रहलाह छथि। स्थानीय लोकक कहब छन्हि जे बैगनी हाल्ट निर्माण संघर्ष समिति एवं जगदम्बा हाल्ट निर्माण संघर्ष समिति द्वारा नवादा आओर बैगनीमे ट्रेन रुकबाक माँगक वास्ते कयल जा रहल आंदोलन केर कारण समस्तीपुर रेलवे केँ डीआरएम पछिला 15 अगस्त सँ अहि रेलमार्ग पर ट्रेनक परिचालन केँ रोकि दरभंगाक जिलाधिकारी सँ अहि सम्बंधित एकटा रिपोर्ट देबाक गप कहने छलाह। जिलाधिकारीक निर्देश पर विगत एक हफ्ता पहिने एसडीओ द्वारा दुनू संघर्ष समितिक सदस्यकेँ अनुमंडल कार्यालयमे बैसकी बजाकय कउनो एक जगह पर ट्रेन रुकबाक हेतु सहमति प्रदान करेबाक कोशिश कयल गेल छल। बता दी जे अहि बैसकीमे जगदम्बा हाल्ट निर्माण संघर्ष समितिक सदस्य सभ मुखिया बमबम झा केर नेतृत्वमे भाग लेलाह मुदा बैगनी हाल्ट संघर्ष समितिक सदस्य सभ भाग नहि लेलनि जाहिकारण दुनू संघर्ष समिति केँ सदस्यक बीच आपसी सहमति नहि बनि सकलैन्ह तत्पश्चात एसडीओ अपन रिपोर्ट जिलाधिकारी केँ पठा देलाह, तदोपरांत जिलाधिकारी ओहि रिपोर्ट केँ डीआरएम समस्तीपुर पठा देलनि। 

जनतब हो जे रिपोर्ट पठेलाक बादो डीआरएम द्वारा अहि रेलखंड पर एखन धरि परिचालन आरम्भ नहि करबाओल गेल अछि। जेकरा वास्ते आम लोकसभ रेल प्रशासन केँ खिलाफ उग्र आंदोलन करबाक गप कहलनि अछि।

ओतहि बहुतरास लोकक इहो कहब छन्हि जे नवादा सँ बैगनी गामक दूरी दू किलोमीटर छैक आओर पुनः नवादा सँ बेनीपुर बलहा हाल्ट केर दूरी तीन किलोमीटर छैक। बलहा हाल्ट पर उद्घाटने कालसँ ट्रेन रुकैत अछि, तखन बलहा हाल्ट सँ दू सँ तीन किलोमीटर पर दू ठाम आरओ ट्रेन रोकबाक विचार रेलवे विभागक समक्ष अछि। अहि बातकेँ सेहो रेलवे द्वारा स्पष्ट करैत यथाशीघ्र परिचालन शुरू करबाक चाही। 

दू गामक खातिर बेनीपुर एवं बिरौल अनुमंडलक सैकड़ों गामक यात्री अहि रेल परिचालनक बन्न होबए सँ परेशान छथि एवं उग्र आंदोलन करबाक गप कय रहलाह अछि। राजद नेता बैजू यादव, रजा अहमद खां, काँग्रेस नेता हैदर अली खां केर कहब छन्हि जे अहि रेलमार्ग पर पछिला 10 दिनसँ परिचालन बन्न अछि आओर केंद्र सरकारक रेलमंत्री कुम्भकर्णी नीनमे सुतल छथि।