मैथिली सिनेमा में' "आस्था मिश्रा" बहुत तेजी सँ अप्पन कदम बढ़ा रहल छथि




सहरसा :[प्रणव चौधरी] आस्था मिश्रा मैथिली नायिका केर  रूप म' आब सभक दिल पर राज क' रहल छथि,आस्था समय रहैत अप्पन मुकाम एही क्षेत्र म' बना रहल छथि, ओतहि ओ मिथिलाक सेहो खूब मान - सम्मान बढ़ा रहल छथि।


आस्था मिश्रा मूल रूप सँ सहरसा जिलाक सुपौल शहर के छथिन आओर श्री अरूण झा केँ बेटी छथिन। आस्था बच्चे सँ संगीत और नायिका बनैय मे अभिरुचि लेब शुरू क' देने छली। आस्था अप्पन पति  मनोज मिश्रा केर प्रेरणा आओर प्रोतसहन सँ अप्पन मुकाम गायिकी व नायिका केर क्षेत्र म' बना रहल छथि।


आस्था मिश्रा बहुत रास छोट सिनेमा सेहो केने छैथ और संग मे फैशन वाली कनिया,ब्रह्म बाब,इतिहास, नवका दुल्हा जहैत सुपरहिट मैथिली सिनेमा मे सेहो अप्पन अहम भुमिका देने छैथ।


आजुक समय में आस्थाक लोकप्रियता देशक कोन कोन मे पसैर रहल अछि।संगैह आस्था सभ कलाकार केँ बीच मे अप्पन अलग पहचान बना रहल छैथ।


आस्था अपन पति संग सुपौल में रहैय छैथ।हुनक पति कौलेज मे एकाउटेंट केँ पद पर कार्यरत छैथ।