सीतामढ़ी : शहीद रामफल मंडल विचार मंच एवं शहीद रामफल मंडल जन क्रांति मोर्चा सीतामढ़ी केर संयुक्त तत्वाधानमे शहीद रामफल मंडल केर पैतृक गाम बाजपट्टी प्रखंडक मधुरापुरमे शहीद रामफल मंडल समेत जिलाक आरओ शहीद बंशी ततमा, सुखन लोहार, भदई कबारी, गूगल धोबी, मथुरा मंडल, मौजे झा, ननु मियां, सहदेव साह, महावीर गोप, रामबुझावन ठाकुर, सुंदर खतवे, बिकन कुर्मी, बुधन कहार, बंगाली नुनिया, नौजाद सिंह, भूपन सिंह, प्रदीप सिंह समेत दर्जनों गुमनाम शहीद बेटा केर शहादतकेँ स्मरणार्थ शहीद मेलाक आयोजन विगत 23 अगस्त, बृहस्पतिदिन कयल गेल।
समारोह केँ उद्घाटन सीतामढ़ी सांसद रामकुमार शर्मा, पूर्व मंत्री सह बाजपट्टी विधायक डॉ. श्रीमती रंजू गीता, सीतामढ़ी केँ राजद विधायक सुनील कुशवाहा, विधान पार्षद देवेश चंद्र ठाकुर, पूर्व सांसद नवलकिशोर राय, शहीद रामफल मंडल विचार मंच केर राष्ट्रीय संयोजक शैलेंद्र मंडल, कॉंग्रेस केर जिला अध्यक्ष विमल शुक्ला, रालोसपा केँ राष्ट्रीय उपाध्यक्ष डॉ. संतोष कुमार प्रसाद, भाजपा उपाध्यक्ष उमेश चन्द्र झा एवं मुखिया उर्मिला देवी द्वारा संयुक्त रूपे दीप प्रज्वलित कय एवं समस्त शहीद केर छवि पर माल्यार्पण कय कार्यक्रमक सुभारम्भ भेल।
समारोहमे शहीद रामफल मंडल विचार मंच केर संयोजक शैलेन्द्र मंडल द्वारा सामाजिक क्षेत्रमे काज केनिहार शहीद रामफल मंडल आओर गुमनाम शहीदक जीवनीक लेखक विनोद बिहारी मंडल एवं नोबेल पुरस्कार हेतु नामित 'फाँसी में गणतंत्र' पुस्तक केर लेखक रामश्रेष्ठ दीवाना व कविता कुमारी केँ शहीद रामफल मंडल राष्ट्रीय सम्मान पुरस्कार प्रदान कयल जेबाक जानकारी भेटल अछि। अहि पुरस्कारमे प्रशस्ति पत्र संगहि 11 हजार टाकाक नगद राशि सम्मान पेनिहार व्यक्तिकेँ प्रदान कयल जेबाक जनतब सुशील मंडल करौलनि अछि।
सांसद रामकुमार शर्मा शहीद रामफल मंडल केँ राष्ट्रीय शहीदक दर्जा, हुनक नामकेर डाक टिकट जारी करेबाक संगहि पाठ्यक्रममे हुनक जीवनी केँ समाहित कयल जेबाक मादे प्रधानमंत्री सँ भेंटिकय लागू करेबाक संकल्प लेलनि।
बाजपट्टी केर जदयू विधायक रंजू गीता द्वारा शहीद रामफल मंडलक पैतृक गाम मधुरापुरमे हुनक विशिष्ट प्रतिमा लगेबाक संगहि पार्क एवं सामुदायिक भवन बनेबाक घोषणा कयल गेल। विधान पार्षद भाजपा नेता देवेश चंद्र ठाकुर द्वारा मधुरापुर गाममे शहीद द्वार बनेबाक सेहो घोषणा कयल गेल। सीतामढ़ी केँ राजद विधायक सुनील कुशवाहा निर्माणाधीन शहीद रामफल मंडल छात्रावासक हेतु 25 लाख टाकाक अनुदान संगहि पाठ्यक्रममे रामफल मंडल जीक जीवनी केँ समाहित करबाक हेतु विधानसभामे प्रश्न उठेबाक घोषणा कयलनि। पूर्व सांसद नवलकिशोर राय शहीद रामफल मंडल केँ राष्ट्रीय स्तर पर शहीदक दर्जा देबाक संगहि बाजपट्टी रेलवे स्टेशनक नाम शहीद रामफल मंडल केर नाम पर करबाक माँग कयलाह। मंच केर संयोजक शैलेन्द्र मंडल हरेक साल 'शहीद रामफल मंडल राष्ट्रीय सम्मान' पुरस्कार देबाक घोषणा सेहो कयलाह। समारोह केर अध्यक्षता पूर्व मुखिया सियाराम मंडल संगहि संचालन क्रांति मोर्चाक अध्यक्ष अजय कुमार गुप्ता द्वारा कयल गेल।
समारोह केँ रालोसपा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष संतोष कुमार प्रसाद, रीना गुप्ता, चंद्रदेव प्रसाद, बबलू मंडल, बिंदु ठाकुर, पवन मंडल, पशुपति कुशवाहा, राहुल मंडल, डॉ. भवेश भारती मंडल, भरत मंडल, सुपारी मंडल, मौजेलाल शर्मा, डॉ. बिंदेश्वर मंडल, ताराकांत झा, मो. जिलानी, कपिलेश्वर मंडल, सीताराम मंडल, भवेंद्र मंडल, सुनील बिहारी, प्रो. अमर सिंह, शिवचंद्र मंडल एवं दिनेश प्रसाद समेत आरओ बहुतरास लोकनि द्वारा संबोधित कयल गेल।
विदित हो जे 1912 ई. में बंगाल सँ विभाजित कय अलग राज्य बिहार बनाओल गेल छल। राज्य केँ अस्तित्वमे एलाक बाद स्वतंत्रता संग्राममे फाँसीक फंदा पर झूलै वला पहिल शहीद मिथिलाक बेटा रामफल मंडल छलाह। जनतब हो जे 24 अगस्त 1942 ई. केँ तत्कालीन मुजफ्फरपुर वर्तमान सीतामढ़ी केर बाजपट्टी चौक पर अंग्रेजी सरकार केँ सीतामढ़ी एसडीओ एवं तीन टा आरओ पुलिसकर्मी केँ फरसा सँ गर्दैन काटि आजादीक रास्ता प्रशस्त केनिहार कियो आओर नहि बल्कि शहीद रामफल मंडल छलाह। अहि घटनाक आरोपमे 23 अगस्त 1943 ई. केँ भागलपुर सेंट्रल जेलमे हिनका फाँसी दs देल गेल छलनि।