पटना : बिहार विद्यालय परीक्षा समिति रविदिन इंटर कंपार्टमेंट 2018 केर परिणाम घोषित कय देलक अछि। बोर्डकेँ अध्यक्ष आनंद किशोर द्वारा परिणामक घोषणा कयल जेबाक जानकारी भेटल अछि।
जनतब हो जे अहि परीक्षामे कुल 38.78 टाका विद्यार्थी लोकनि सफल भेलाह अछि। विज्ञानमे 37.02, वाणिज्यमे 46.19 एवं आर्ट्समे 44.04 टाका परीक्षार्थी लोकनि पास कयलनि अछि।
एक हफ्तामे मैट्रिक कंपार्टमेंट परीक्षाक परिणाम सेहो घोषित कयल जेबाक जानकारी भेटल अछि। परीक्षार्थी लोकनि बिहारबोर्ड केँ ऑफ्फिसियल वेबसाईट www.biharboard.ac.in एवं www.boardonline.bihar.gov.in पर अपन-अपन परिणामक पड़ताल कय सकैत छथि।
विदित हो जे 13 सँ 20 जुलाई धरि भेल इंटर कंपार्टमेंट केर परीक्षामे 1 लाख 55 हजार विद्यार्थी भाग लेने छलाह। बिहारबोर्ड केर अध्यक्ष आनंद किशोर कहलनि अछि जे मैट्रिक केँ कंपार्टमेंट परीक्षाक परिणाम सेहो एक हफ्ताक भीतर घोषित कयल जायत।