दरभंगा[ प्रणव चौधरी]: आइ तारिख 31/12/18 क ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय(LNMU) केर कुलपति श्री सुरेंद्र सिंह , उप-कुलपति श्री जय गोपाल जी, मिथिला विश्वविद्यालय के भौतिकी केर हेड ऑफ डिपार्टमेंटक "डाo ब्रजमोहन झा" , प्रोफेसर "डाo नरेंद्र कुमार सिंह", डाo "सुबोध यादव" स भाजपा केर प्रदेश उपाध्यक्ष "गोपाल जी ठाकूर" भेट केलैथ ओर किछु मुख्य मुद्दा पर चर्चा सेहो केलैथ।ठाकूर जी सब गोटा के भारतक वर्तमान प्रधानमंत्री श्री नरेंद्र मोदी जी के नेतृत्व में केंद्र सरकारक चाइर साल पूरा होबैय पर जनकल्याणकारी योजना केर माध्यम स उपलब्धी सबहक जानकारी देलैथ।ओर साथ-मे साफ नीयत सही विकास" नामक पुस्तिका सेहो देलैथ।
एही क्रम में कुलपति स लनामिवि केर केंद्रीय विश्वविद्यालय केर दर्जा दिएबाक लेल मजबूती स पहल करबाक लेल कहलैथ।ओर यीहो कहलैथ जे राज मैदान के राष्ट्रीय खेल मैदानक दर्जा दिएबाक अपील केलैथ। बेनीपुर विधानसभा केर अंतर्गत नवादा गाँव में महारानी पोखरक निकट 5 करोड़क लागत स बनल डिग्री कॉलेज भवन में जल्द स जल्द पठन-पाठन चालू करेबाक सेहो मांग केलैथ। एही मौका पर उपस्थित दरभंगा जिलाक भाजपा केर चिकित्साप्रकोष्ठ, जिला उपाध्यक्ष राकेश झा, सुजीत चौधरी, प्रेम मिश्रा, बालेन्दु झा, नवनीत झा,संग दर्जन भैर कार्यकर्ता छेलैथ।