मधुबनी : [प्रणव चौधरी] मधुबनी जिलाक भैरवस्थान थाना क्षेत्रक एगो गांव में नाबालिग बच्चिया स दुष्कर्मक प्रयास करैत काल क वीडियो आरोपित सब सोशल मीडिया पर वायरल क देलक हन। यी वीडियो के वायरल होइते पुलिस एही मामला केर जांच में जुइट गेल अछि।पुलिसक दावा अछि कि आरोपित के पहचान भ गेल अछि। ओर बहुत जल्दी दुनु आरोपी के पुलिस गिरफ्तार क लेत।
दरअसल यी घटना 20 जुलाई के बताओल जा रहल अछि। दुष्कर्मक प्रयास करैत समय के वीडियो शुक्र दिन क वायरल होबैय के बाद भैरवस्थान थाना में प्राथमिकी दर्ज कैल गेल अछि। पीड़ित नाबालिग बच्चीया के मां ..... देवी भैरवस्थान थाना के एगो आवेदन देलैथ।जेही में कहल गेल अछि कि पिछला 20 जुलाई क हम खेत में काम करबाक लेल गेल छेलू।ओर 12 बजे दिन में हमर 15 बरखक बेटी हमरा खोजबाक लेल खेत पर जा रहल छेली। एही दौरान झाड़ी में नुकैल दुगो लड़का हमर बेटी के साथे दुष्कर्म करबाक नियत स छेड़खानी करैय लगला ओर एही के वीडियो बना लेलक।ओही नाबालिग लड़की के हल्ला गुल्ला करैय पर आदमी के जुटैत देख दुनु लड़का ओतय स भाइग गेल। दुनु लड़का ओही वीडियो केर वायरल करैत परिवार के धमकी सेहो देलक की अगर पुलिस में शिकायत केलैय त पूरा परिवार के जान स माइर दैब।
ओही नबालिग लड़की केर माँ बयान देलैथ यै कि उक्त दुनु लड़का गांव के ही पासवानक टोल के रहैय वला अछि।एही मामलक वीडियो वायरल होबैय के बाद थाना अध्यक्ष प्राथमिकी दर्ज क अनुसंधान चालु क देलैथ यै। झंझारपुरक इंस्पेक्टर योगेंद्र कुमार कहलैथ यै कि मामला गंभीर अछि। दोषी केर पहचान सेहो क लेल गेल अछि। बहुत जल्दे एही मामला केर दुनु आरोपी के गिरफ्तार क लेल जैत। ओतैय, पीड़ित परिवार केर सुरक्षा करबाक लेल गांव में चौकीदार के नियुक्त क देल गेल अछि।