भाजपा भगाऊ राज्य बचाउ" केर तहत दोसर दिन सेहो जारी रहल भाकपा माले केर पदयात्रा।


दरभंगा:[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंडक भाकपा माले केर कार्यकर्ता सब रविवार क पंचायत स्तरीय जनअधिकार पदयात्रा निकालैथ। भाजपा-भगाउ, बिहार-बचाउ अभियानक तहत दोसर दिन अकबरपुर स पार्टी कार्यकर्ता सब अनारकोठी, पेठियागाछी, डुमरी, सिधौली, बसहा, माखनपुर, गिरधरपुर, खिखराही, इनामाईत आदि आदि गांव स भ क पदयात्रा निकालैथ। पदयात्रा इनामाईत गांव पहुंचकर सभा में बदैल गेल अछि।पार्टी केर प्रखंड सचिव विश्वनाथ पासवान केर अध्यक्षता में आयोजित सभा के संबोधित करैत काल पार्टी नेता सह खेग्रामस केर जिलाध्यक्ष जंगी यादव कहलैथ कि वर्ष 2014 में अप्पन नारा व वादा में विफल भ चुकर केंद्रक मोदी सरकार जनता केर अधिकार में पैघ कटौती कैल जा रहल अछि। कमरतोड़ महंगाई और बेतहाशा बेरोजगारी देश केर किसान और नौजवानक सामने भयानक संकट पैदा क देलक हन। एक तरफ बैंक के एनपीए बरहैय स देशक आर्थिक स्थिति चरमरा गेल अछि, त दोसर तरप प्रधानमंत्री मोदी एही सवाल सबके हल करबाक बावजूद दुनिया के सैर क रहल छैथ। केंद्रक सरकार हर मोर्चे पर विफल अछि। जनता भाजपाक चाल के समैझ चुकल अछि। भ्रष्टाचार पर रोक लगाबैय, कृषि संकट दूर करैथ, बेरोजगार सबके रोजगार मुहैया कराबैथ व गरीबी उन्मूलन योजना व नीती के लागू करेबाक लेल फासीवादी ताकत केर उखाइड़ फेंकैय के उ सब जनता स आहृवान केलैथ।एही दौरान पार्टी केर वरीय नेता आरके सहनी  कहलैथ कि पिछला चाइर वर्षो में महिला हिंसा में वृद्धि भेल अछि। तेल व गैसक कीमत में भेल बेतहाशा वृद्धि  जनता के घोर मुसीबत में डाइल देलैथ हन। एही परिस्थिति में जरूरत यी अछि कि एही सरकार के पूरा तरह उखाइर फेंकब। सभा के अली मोहम्मद, घनश्याम यादव, संतोष यादव, फूलो देवी, राजकुमार मंडल, कृपाल पासवान, नूर मोहम्मद, नगीना देवी, अमेरिका देवी, सूरजी देवी, अमरजीत पासवान, मंचन राम, राजेश पासवान, रवीन्द्र पासवान, हीरा राम, रामलाल सहनी, मंटू बैठा, शंकर यादव आदि सब संबोधित केलैथ।