दरभंगा[प्रणव कुमार चौधरी] बिहार में पूर्ण शराबबंदी केर बाबजूद बिहारक केको जिलों में शराबक खेप पकड़ जा रहल अछि। एक तरफ जत बिहार सरकार पूर्ण शराबबंदी के ल क पूरा देश में डंका पिट रहल छैथ।अपने सबके बता दी जे आइ भोर मे दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंडक अशोक पेपर मिल थाना प्रभारी दिलीप पाठक अप्पन टिम के साथ छापामारी क शराबक बड पैध खेप पकड़ैल हन। थाना प्रभारी दिलीप पाठक कहलैथ कि गुप्त सूचनाक आधार पर पंडासराय-हाजीपुर रोड में बीरनपट्टी मध्य विद्यालयक आसपासक गाछी केर बगल में शराबक खेप एगो कमरा में अनलोड कैल जा रहल छल। मकान मालिक के छैथ है एहके पहचान नैय भ सकल हन । 200 एमएल के शराबक बोतल पर अरुणाचल प्रदेश के लेबल लागल अछि। जेही ट्रक में शराबक खेप पकड़ैल हन ओही गाड़ी के नम्बर RJ 33 GA 1390 अछि। थाना प्रभारी दिलीप पाठक कहलैथ कि दु गो स्थानीय लोग के पूछताछ करबाक लेल हिरासत में लेल गेल हन।